spot_img
Thursday, March 19, 2026
spot_img
Homeटटका खबरिभाजपा प्रकाश जावड़ेकर आ संबित पात्राकेँ देलक पैघ जिम्मेदारी, २4 राज्यमे कैलक...

भाजपा प्रकाश जावड़ेकर आ संबित पात्राकेँ देलक पैघ जिम्मेदारी, २4 राज्यमे कैलक प्रभारी आ सहप्रभारीक नियुक्त

-

नई दिल्ली/ भारतीय जनता पार्टीक राष्ट्रीय अध्यक्ष जगत प्रकाश नड्डा पंजाब, हरियाणा, बिहार आ उत्तराखंड सहित २४ राज्यक लेल राज्य प्रभारी आ सह-प्रभारी नियुक्त कैलक। पार्टी द्वारा जारी अधिसूचनामे स्पष्ट रूपसँ कहल गेल अछि जे ई सभ नियुक्ति तत्काल प्रभावसँ लागू कयल जायत।

एकर संगहि पार्टीक सांसद संबित पात्रा के कंधा पर पैघ जिम्मेदारी देलक अछि। भाजपा हुनका पूर्वाेत्तर प्रदेशक संयोजक नियुक्त कयलक।

लोकसभा चुनावक बाद आब कतेको राज्यक विधानसभा चुनाव हेबाक अछि। दलसभ रणनीतिक तैयारी शुरू कए देलक अछि। एम्हर आइ भाजपाक राष्ट्रीय अध्यक्ष जेपी नड्डा अलग-अलग राज्यमे प्रभारी आ सह-प्रभारीक नियुक्त कयलनि। जकर सूची सेहो जारी कएल गेल अछि।

पार्टी द्वारा जारी सूचीक अनुसार विनोद तावड़े आ दीपक प्रकाशकेँ बिहारमे प्रभारी बनाओल गेल अछि। हरियाणामे डॉ. सतीश पूनिया आ सह-प्रभारी सुरेन्द्र सिंह नगर बनाओल गेल अछि। पंजाबमे पार्टी विजय भाई रूपाणी केँ प्रभारी नियुक्त कयलक अछि। जखन कि सह-प्रभारी पद डॉ. नरिंदर सिंह के देल गेल अछि।

भाजपा असमक प्रभावशाली मंत्री अशोक सिंघलकेँ अरुणाचल प्रदेशमे पार्टीक प्रभारी नियुक्त कयलक अछि। छत्तीसगढ़ मे नितिन नवीन के पार्टी प्रभारी बनाओल गेल अछि। आशीष सूदकेँ गोवामे प्रभारी नियुक्त कयल गेल अछि। हिमाचल प्रदेशमे पार्टी श्रीकान्त शर्माकेँ प्रदेश प्रभारी आ संजय टंडनकेँ सह-प्रभारी नियुक्त कयलक अछि। कर्नाटकमे पार्टी डॉ. राधा मोहनदास अग्रवालकेँ प्रभारी आ सुधाकर रेड्डीकेँ सह-प्रभारी नियुक्त कयलक अछि।

भाजपा अध्यक्ष जेपी नड्डा भाजपा सांसद संबित पात्रा के कंधा पर पैघ जिम्मेदारी देलनि अछि। पार्टी हुनका पूर्वाेत्तर प्रदेशक संयोजक बनौने अछि। जखन कि सहसंयोजक वि. मुरलीधरन बनाओल गेल अछि। ओतहि भाजपा नेता आ पूर्व केन्द्रीय मंत्री प्रकाश जावड़ेकरकेँ केरलक प्रभारी बनाओल गेल अछि।

Related articles

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here

Stay Connected

0FansLike
0FollowersFollow
0FollowersFollow
0SubscribersSubscribe

Latest posts