spot_img
Thursday, March 19, 2026
spot_img
Homeटटका खबरिझारखण्ड मे बिजली केँ खेल निराला - बिजली भेल महग

झारखण्ड मे बिजली केँ खेल निराला – बिजली भेल महग

-

आई दिनाँक 28 फरवरी सँ झारखण्ड राज्य केँ बिजलीक उपभोग केनाइ महग भ’ गेल। झारखंड राज्य विद्युत नियामक आयोग द्वारा आगामी वर्ष हेतु बिजली दर मे वृद्धि केँ घोषणा कैल गेल। आब झारखण्ड केँ उपभोक्ता सबके प्रति यूनिट कम सँ कम 35 पाई अधिक बिजलीक भुगतान करय परतनि।
ग्रामीण उपभोक्ता पर शहरी उपभोक्ता सब पर बेसी बोझ परी गेल छनि। आई सँ पूर्व ग्रामीण उपभोक्ता लोकनिक द्वारा प्रति यूनिट 5.80 रुपया केँ भुगतान करैत छला आब 6.30 रुपया भुगतान करै परतनि। संगहि ग्रामीण क्षेत्र मे फिक्स्ड चार्ज मे 50 प्रतिशत केँ बढ़ोतरी भेल अछि आब ग्रामीण क्षेत्र मे फिक्स्ड चार्ज केँ रूप मे 75 रुपया केँ भुगतान करै परतनि। शहरि क्षेत्रक उपभोक्ता सबके 400 यूनिट सँ अधिक बिजली खपत भेला पर 8 . 60 रूपया प्रति यूनिट देबय परतनि आओर जिनक 400 सँ कम यूनिट खर्च हेतनि हुनका 7. 60 रुपया प्रति यूनिट भुगतान करय परतनि। शहरि क्षेत्र केँ उपभोक्ता सबके फिक्स्ड चार्ज मे कोनो बदलाव नहि कैल गेल अछि।

Related articles

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here

Stay Connected

0FansLike
0FollowersFollow
0FollowersFollow
0SubscribersSubscribe

Latest posts