spot_img
Friday, August 22, 2025
spot_img
Homeटटका खबरिअसममे बाढ़िक स्थितिमे मामूली सुधार भेल, १८.८० लाख लोक एखनो प्रभावित छथि

असममे बाढ़िक स्थितिमे मामूली सुधार भेल, १८.८० लाख लोक एखनो प्रभावित छथि

-

गुवाहाटी/ असममे बाढ़िक स्थितिमे कने सुधार भेल अछि। मुदा, २७ जिलामे बाढ़िसँ प्रभावित लोकक संख्या एखनो लगभग १८.८० लाख अछि। अधिकारी लोकनि मंगलदिन कहलनि जे बाढ़िक स्थितिमे कनेक सुधार भेल अछि मुदा एखनो पैघ संख्यामे लोक दाहरमे फँसल अछि।

अधिकारीलोकनि कहलनि जे सोमदिन असममे छओ आओर लोकक मृत्यु भऽ गेल, जाहिसँ एहि सालक बाढ़ि, भूस्खलन आ तूफानमे मृतकक संख्या ८५ भऽ गेल।

ब्रह्मपुत्र सहित कतेको प्रमुख नदी विभिन्न स्थानपर खतराक स्तरसँ ऊपर बहैत अछि आ किछु ठाम बरखा होयबाक सम्भावना अछि।

अधिकारीलोकनि कहलनि जे आब २७ जिलामे १८,८०,७०० लोक प्रभावित अछि जखन कि रविदिन लगभग २२.७५ लाख लोक जलप्रलयसँ पीड़ित छल।

धुबरी जिला राज्यक सबसँ बेसी प्रभावित अछि जतय लगभग ४.७५ लाख लोक बाढ़िक समस्यासँ जूझि रहल छथि। एकर बाद दू लाखसँ बेसी लोकक संग कछार आ लगभग १.३६ लाख बाढ़ि पीड़ितक संग बारपेटा अछि।

ओ कहलनि जे प्रशासन २५ जिलामे ५४३ शिविर आ राहत वितरण केन्द्र चला रहल अछि आ वर्तमानमे ३,४५,५०० विस्थापित लोकक देखभाल कऽ रहल अछि।

राष्ट्रीय आपदा मोचन बल (एनडीआरएफ) आ राज्य आपदा मोचन बल (एसडीआरएफ) सहित अनेक एजेंसी द्वारा प्रभावित क्षेत्रमे बचाव अभियान चलायल जा रहल अछि।

क्षेत्रीय मौसम विज्ञान केन्द्र, गुवाहाटी सोमदिन कहलक जे अगिला २४ घंटामे अरुणाचल प्रदेश, असम, मेघालय, नागालैंड, मणिपुर, मिजोरम आ त्रिपुराक किछु स्थानपर गरज-चमक सँ बरखा होयबाक सम्भावना अछि।

ब्रह्मपुत्र नदी निमती घाट, तेजपुर, गुवाहाटी आ धुबरीमे खतराक निशानसँ ऊपर बहैत अछि।

अन्य प्रमुख नदी – सुबनसिरी (बदाती घाट), बुरहिडीहिंग (चेन्नीमारी), दिखाऊ (शिवसागर), दिसांग (नंगलमुराघाट), कोपिली (धरमतुल), बराक (बी पी घाट), संकोश (गोलोकगंज) आ कुशियारा (करीमगंज) सेहो खतराक निशान पार कऽ चुकल अछि।

Related articles

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here

Stay Connected

0FansLike
0FollowersFollow
0FollowersFollow
0SubscribersSubscribe

Latest posts