spot_img
Friday, August 22, 2025
spot_img
Homeटटका खबरिसंयुक्त किसान मोर्चा लंबित माँग पर फेर आंदोलन करत, पीएम आ विपक्ष...

संयुक्त किसान मोर्चा लंबित माँग पर फेर आंदोलन करत, पीएम आ विपक्ष के नेता राहुल के देलक ज्ञापन

-

नई दिल्ली/ संयुक्त किसान मोर्चाक नेता लोकनि बृहस्पतिकेँ नई दिल्लीमे घोषणा कयलनि जे ओ अपन लम्बित माँगकेँ लेल केन्द्र सरकार के विरुद्ध फेर सं आन्दोलन प्रारंभ करता। एहि संदर्भ मे मोर्चा एकटा प्रेस कॉन्फ्रेंस सेहो केलक।

संयुक्त किसान मोर्चा (एसकेएम) बृहस्पतिकेँ घोषणा कयलक जे ओ न्यूनतम समर्थन मूल्य (एमएसपी) आ कृषि ऋण माफीक कानूनी गारंटीक सङ्ग अन्य लंबित माँगक लेल अपन आन्दोलन फेरसँ शुरू करत।

एसकेएम इहो कहलक जे ओ प्रधानमंत्री नरेन्द्र मोदी आ लोकसभामे विपक्ष के नेता राहुल गाँधीकेँ हुनक माँग पर ज्ञापन देत। वर्ष २०२०-२१ लेल किसान आन्दोलनक नेतृत्व करयवला एसकेएम अपन आम सभाक बैसारक एक दिन बाद ई घोषणा कयलक।

एसकेएम कहलक, ष्आम सभा भारत सरकारक कृषि विभागक सचिव द्वारा हस्ताक्षरित एसकेएमक सङ्ग ९ दिसंबर, २०२१ केँ केन्द्र सरकारक समझौताकेँ लागू करबाक लेल आन्दोलन फेरसँ शुरू करबाक निर्णय लेलक अछि आ किसानसभक आजीविकाकेँ प्रभावित करयवला अन्य प्रमुख माँगसभ पर हस्ताक्षर कयलक अछि।

एसकेएम कहलक जे संगठन सभ सांसदकेँ अद्यतन मांगपत्र प्रस्तुत करत। ई कहलक जे ओ अपन मांगक घोषणापत्रक समर्थनमे देशव्यापी विरोध प्रदर्शन कऽ भारत छोड़ो दिवसक बदला ९ अगस्तकेँ कॉर्पाेरेट भारत छोड़ो दिवसक रूपमे मनओत।

Related articles

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here

Stay Connected

0FansLike
0FollowersFollow
0FollowersFollow
0SubscribersSubscribe

Latest posts