spot_img
Monday, February 2, 2026
spot_img
Homeटटका खबरिकेंद्र सरकार केँ पैघ घोषणा : 25 जून क' "संविधान हत्या दिवस"...

केंद्र सरकार केँ पैघ घोषणा : 25 जून क’ “संविधान हत्या दिवस” घोषित, इंदिरा गांधी 1975 मे एहि दिन आपातकाल लगा देने छलीह।

-

नई दिल्ली : 25 जून संविधान हत्या दिवस : केंद्र केँ ‘मोदी सरकार’ 25 जून केँ “संविधान हत्या दिवस” घोषित केलक अछि। गृहमंत्री अमित शाह शुक्रदिन सोशल मीडिया ‘X’ पर पोस्ट क’ ई जानकारी देलनि। सरकार अपन राजपत्रक अधिसूचना सेहो जारी केलक।

25th June Constitution Killing Day: ‘मोदी सरकार’ 25 जून कए ‘संविधान हत्या दिवस’ घोषित केलक अछि। केंद्र सरकार शुक्रदिन राजपत्र अधिसूचना सेहो जारी केलक अछि। गृहमंत्री अमित शाह ट्विटर X पर लिखने छथि जे 25 जून 1975 क’ तत्कालीन प्रधानमंत्री इंदिरा गांधी अपन तानाशाही मानसिकता केँ देखाबैत देश मे आपातकाल लगा क’ भारतीय लोकतंत्र केँ आत्मा केँ गला घोंटि देने छली । लाख सँ बेसी लोक केँ बिना कोनो कारण केँ जेल मे ध’ देल गेल आओर मीडिया केँ आवाज दबा देल गेल छल। शाह आगू लिखलनि अछि जें भारत सरकार द्वारा प्रत्येक वर्ष 25 जून क’ ‘संविधान हत्या दिवस’ केँ रूप मे मनबैक फैसला लेलक अछि ।

Related articles

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here

Stay Connected

0FansLike
0FollowersFollow
0FollowersFollow
0SubscribersSubscribe

Latest posts