spot_img
Friday, August 22, 2025
spot_img
Homeटटका खबरिनेपालमे खसल ‘प्रचण्ड ’ सरकार : 'ओली' केँ नव पीएम बनब निश्चित...

नेपालमे खसल ‘प्रचण्ड ’ सरकार : ‘ओली’ केँ नव पीएम बनब निश्चित अछि !

-

नई दिल्ली : न्यूज़ एजेंसी सँ खबरि आबि रहल अछि जे नेपालक राजनीति मे पैघ उलट फेर भेल अछि। प्रधानमन्त्रीपुष्प कमल दलह प्रचंड इस्तीफा द’ देलनि अछि । संसद मे म प्रधानमंत्री पुष्पकमल दलह विश्वास मत प्राप्त नहि क’ सकला । असल मे सीपीएम-यूएमल सरकार सँ समर्थन वापस ल’ लेने छल। 275 सदस्यीय प्रतिनिधि सभा मे प्रचण्ड केँ विश्वास मत केँ विरोध मे 194 आओर समर्थन मे 63 वोट पड़ल। विश्वास मत प्राप्त करबाक लेल लेल 138 मतक आवश्यकता छल।

केपी शर्मा ओली नेपालक नव प्रधानमन्त्री बनि सकैत छथि !
बताबी जे पिछला सप्ताह पूर्व प्रधानमंत्री केपी शर्मा ओली केँ नेतृत्व मे सीपीएन-यूएमएल “प्रचण्ड” सरकार सँ समर्थन वापस लेने छल। शुक्रदिन प्रधानमन्त्री पुष्पकमल दाहाल ‘प्रचण्ड’के फ्लोर टेस्टसँ पहिने ओली आ नेपाली कांग्रेसक नेतासभ नव गठबन्धन सरकार गठन पर मंथन केने छल । नेपाली कांग्रेस अध्यक्ष शेरबहादुर देउवा नेपालक अगिला प्रधानमन्त्रीके रुपमे ओलीके समर्थन द’ चुकल छथि ।

नेपाल मे नव सरकार बनेबाक निर्णय लेलक
एचओआर मे नेपाली कांग्रेसक 89 सदस्य अछि । एकर अलावा सीपीएन-यूएमएल मे 78 सीट अछि। दुनू दल केँ गठबंधन मे कुल 167 सीट होएत, जे सरकार बनेबा लेल 138 सीटक आवश्यकता केँ बहुमत सँ बेसी अछि । ओली कहलनि जे, ई देशक राजनीतिक स्थिरता आ विकास लेल आवश्यक अछि।

ओली ठैक लेलनि : प्रचण्ड
प्रचण्ड ट्रस्ट वोट जीतय मे असफल रहला के बाद आरोप लगौलनि जे ओली हुनका बेवजह धोखा देलखिन अछि। ओली शनिदिन प्रधानमंत्री बनि रविदिन शपथ ल’ सकैत छथि। पार्टी सचिवालय मे ओली कहलनि जे नेपालक विकास लेल दुनू पैघ राजनीतिक दलक गठबंधन आवश्यक छल ।

Related articles

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here

Stay Connected

0FansLike
0FollowersFollow
0FollowersFollow
0SubscribersSubscribe

Latest posts