पटना (बिहार ): पिछला दू दिन सँ नेपाल मे भेल बरखा केँ कारण उत्तर बिहारक अनेकों क्षेत्र मे बाढ़िक खतरा देखबा मे आबि गेल अछि। पूर्वी चंपारण, पश्चिम चंपारण आ सीतामढ़ी केँ बहुत इलाका मे नदी के जलस्तर बढ़य लागल अछि। शुक्रदिन दुपहर धरि गंडक बैराज सँ 3.36 लाख क्यूसेक पानि गंडक नदी मे छोड़ल गेल। सुरक्षाक दृष्टिकोण सँ बैराजक सबटा (36) गेट खोलल गेल अछि।
पश्चिम चंपारण मे नदीक जलस्तर बढल
पश्चिम चंपारण मे पंडई, डोरहम, जमुआ, मनियारी, हडबोडा, अमहवा, दवरदह, गंगुली सहित सब छोट-पैघ पहाड़ी नदी केँ जलस्तर बढ़य लागल अछि। एहि नदी सबहक जल सारेह मे पसरब शुरू भ’ गेल अछि। कुंडिलपुर मे सैकड़ों एकड़ मे उपजल फसल जमुआ आ मनिया नदीक पानि मे डूबि गेल अछि।