HDFC बैंक : आई भोर मे रांची मे रहनिहार , राजे ग्राम वासी प्रदीप चौधरी जी लहरि सम्पर्क मे अयला आओर कहलनि जे hdfc बैंक केँ पोर्टल नहि चलि रहल अछि। सबटा पाई कें कारबार आई ठप भ’ गेल अछि। पुनः दोसरो गोटे केँ कार्यालय मे फोन सँ बात भेल। तखन लहरि मीडिया बैंक सँ सम्पर्क कयलक आओर जानकारी प्राप्त भेल जे आइ यानी शनि दिन (13 जुलाई) बैंक केँ ऑनलाइन सेवा भोर 3 बजे सँ सांझ 4.30 बजे तक बंद रहत। एहि दौरान एचडीएफसी बैंकक ग्राहक 13 घंटा तक बैंक सँ जुड़ल बहुत काज नहि क’ सकैत छथि। यूपीआई भुगतान सेहो बैंकक आवेदनक माध्यम सँ नहि भ रहल अछि।
बैंक समय रहति ग्राहक सबके जानकारी द’ देने छल
बताबी कि एसडीएफसी (एचडीएफसी बैंक) द्वारा अपनऽ सब ग्राहक केँ ईमेल, मैसेज आओर सोशल मीडिया प्लेटफॉर्म केँ माध्यम सँ ऑनलाइन सेवा बंद होय केँ बारे मे जानकारी द॑ चुकल छल । बैंक 13 जुलाई क’ ग्राहक केँ बेहतर अनुभव देबा लेल सेवा सँ संबंधित नीक सिस्टम केँ अपग्रेड करि रहल अछि। बैंक कहलक अछि जे साँझ साढ़े चार बजेक बाद ऑनलाइन बैंकिंग सेवा फेर सँ प्रारम्भ भ’ जाएत।