spot_img
Friday, August 22, 2025
spot_img
Homeटटका खबरि7 राज्यक उपचुनाव मे भाजपा केँ भेटल पराजय :आगमी निकटवर्ती विधानसभा चुनाव...

7 राज्यक उपचुनाव मे भाजपा केँ भेटल पराजय :आगमी निकटवर्ती विधानसभा चुनाव मे भाजपा लेल खतरा केँ संकेत !

-

नई दिल्ली : लोकसभा चुनाव केँ बाद देशक सात राज्य केँ 13 सीट पर विधानसभा उपचुनाव कें नतीजा आबि गेल अछि। एहि परिणाम मे I-N-D-I गठबंधन भाजपा पर हावी भ’ गेल अछि। उपचुनाव मे बिहार, पश्चिम बंगाल सँ ल’ क’ उत्तराखंड तक कमल पुष्प नहि खिल सकल । एहि उपचुनाव मे I-N-D-I गठबंधन 13 मे सँ 10 सीट जीत चुकल अछि। भाजपा केँ खाता मे मात्र दू सीट भेटल अछि। बिहार मे निर्दलीय उम्मीदवार जीत गेल अछि। पंजाब मे आम आदमी पार्टी जीत गेल अछि। एकर संगहि पश्चिम बंगाल केँ 4 सीट पर टीएमसी उपचुनाव विजय भेल अछि । खास बात ई जे भाजपा अपन गढ़ उत्तराखंड मे दुनू सीट सँ हाथ धो लेने अछि।

I-N-D-I गठबंधन केँ विजय केँ
ई विजय लोकसभा चुनावक बाद I-N-D-I गठबंधन केँ लेल संजीविनी केँ काज करत। विधानसभा चुनाव मे कांग्रेस केँ सबसँ बेसी फायदा भेल अछि। कांग्रेस पांच सीट जीत चुकल अछि। एहि चुनाव परिणाम केँ असरि राज्यक संग संग केंद्र मे सेहो स्पष्ट देखय लेल भेटत। लोकसभा चुनावक परिणाम सँ उत्साहित कांग्रेस एहि परिणाम केँ अयला केँ बाद भाजपा केँ विरुद्ध बेसी आक्रामक देखबा मे होयत । कांग्रेस नेता राहुल गांधी संसद सत्र मे अपन रवैया देखा चुकल छथि।

Related articles

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here

Stay Connected

0FansLike
0FollowersFollow
0FollowersFollow
0SubscribersSubscribe

Latest posts