spot_img
Friday, August 22, 2025
spot_img
Homeटटका खबरिकॉरपोरेटक संग मेही संबंधक लेल कांग्रेस केंद्र सरकारक आलोचना केलक, गंभीर सवाल...

कॉरपोरेटक संग मेही संबंधक लेल कांग्रेस केंद्र सरकारक आलोचना केलक, गंभीर सवाल उठौलक

-

नई दिल्ली/ कॉरपोरेट टैक्समे कटौतीकेँ लऽ कऽ कांग्रेस केन्द्र सरकार पर तीखा हमला केलक। कांग्रेस आरोप लगओलक जे कर कटौतीसँ अरबपतिक जेबमे २ लाख करोड़ टाका चल गेल, जखन कि मध्यम वर्ग एखनो कर आ मुद्रास्फीतिक बोझ तर दबल अछि। केन्द्रीय प्रत्यक्ष कर बोर्ड (सीबीडीटी) द्वारा जारी आंकड़ाक एक दिन बाद कांग्रेस भाजपा पर गम्भीर आरोप लगओलक।

कांग्रेस महासचिव जयराम रमेश भाजपा नीत सरकार पर आरोप लगबैत कहलखिन, सीबीडीटी के रिपोर्ट मे 11 जुलाई, 2024 तक कुल कर संग्रह 5,74,357 करोड़ रुपया देखाओल गेल अछि। रिफंड निकाललाक बाद सरकारकेँ कॉर्पाेरेट करक रूपमे २,१०,२७४ करोड़ आ व्यक्तिगत आयकरक रूपमे ३,४६,०३६ करोड़ टाका भेटल अछि।

रमेश कहलखिन कि बजट 23 जुलाई के आबय वाला अछि। एहि दौरान कर संग्रहक आंकड़ा जारी कएल गेल अछि। एकर अनुसार १ अप्रैल सँ १ जुलाई २०२४ धरि व्यक्तिगत आयकर ३.६१ लाख करोड़ आ कॉर्पाेरेट कर संग्रह २.६५ लाख करोड़ रुपैया छल। ओ कहलनि जे कर संग्रहमे व्यक्तिगत आयकरक हिस्सा बढ़ि कऽ २८ प्रतिशत भऽ गेल अछि।

रमेश कहलनि जे केंद्र सरकार २० सितंबर, २०१९ केँ कॉरपोरेट करमे कटौती करैत दावा कयलक जे एहिसँ निवेश बढ़त मुदा एहन किछु नहि भेल। एकर बदला यूपीएक पूर्व प्रधानमंत्री मनमोहन सिंहक कार्यकालमे निवेश सकल घरेलू उत्पादक ३५ प्रतिशतसँ घटि २०१४-२४ मे २९ प्रतिशतसँ कम भऽ गेल।

Related articles

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here

Stay Connected

0FansLike
0FollowersFollow
0FollowersFollow
0SubscribersSubscribe

Latest posts