नई दिल्ली: झारखंड के मुख्यमंत्री हेमंत सोरेन आई सोमदिन प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदी सँ भेंट केलनि। दुनू नेताक बैसार मे की भेल ताहि पर एखन धरि कोनो आधिकारिक जानकारी नहि देल गेल अछि। ओना सोरेन एकरा शिष्टाचारक भेंट घाँट बतौलनि। सोशल मीडिया प्लेटफॉर्म ‘एक्स’ पर भेंट केँ फोटो शेयर करैत सोरेन लिखलनि जे, प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदी जी केँ संग शिष्टाचार भेंट भेल छल।
झारखंड मुक्ति मोर्चा केँ कार्यकारी अध्यक्ष हेमंत सोरेन 31 जनवरी केँ कथित जमीन घोटाला सँ जुड़ल मनी लांड्रिंग मामला मे प्रवर्तन निदेशालय (ईडी) द्वारा गिरफ्तार करला सँ पहिने मुख्यमंत्री केँ पद सँ इस्तीफा द’ देने छला । करीब पांच मास जेल मे रहलाक बाद जमानत भेटल आ रिहाईक बाद फेर 4 जुलाई क’ मुख्यमंत्री बनलाह।