spot_img
Monday, February 2, 2026
spot_img
Homeटटका खबरिEncounter in Doda: सेना आ आतंकी केँ बीच मुठभेड़, एक अधिकारी सहित...

Encounter in Doda: सेना आ आतंकी केँ बीच मुठभेड़, एक अधिकारी सहित चारि टा सैनिक केँ भेल मृत्यु

-

Encounter in Doda:आतंकी लगातार जम्मू-कश्मीर मे शांति भंग करबाक प्रयास मे लागल अछि। डोडा जिला केँ देसा वन क्षेत्र मे सोमदिन आतंकी केँ संग मुठभेड़ मे सेना केँ अधिकारी सहित पांच सुरक्षाकर्मी घायल भ’ गेला । घायल केँ गंभीर हालत मे इलाजक लेल अस्पताल मे भर्ती कराओल गेल अछि। एहि मे सँ एक अधिकारी सहित चारिटा जवानक मृत्यु भ’ गेलनि । सुरक्षा बल एहि इलाका केँ घेराबंदी क’ लेलक अछि। घटनास्थल पर अतिरिक्त सुरक्षा बल पठाओल गेल अछि।

अधिकारी सब कहलनि जे, मुठभेड़ तखन शुरू भेल जखन जम्मू-कश्मीर पुलिस केँ राष्ट्रीय राइफल्स आ स्पेशल ऑपरेशन ग्रुप केँ जवान सब सोमदिन 15 जुलाई क’ संध्या काल लगभग 7.45 बजे देसा वन क्षेत्र केँ धारी गोटे उरारबागी मे संयुक्त घेराबंदी आ तलाशी अभियान शुरू केने छल।
सेना केँ व्हाइट नाइट कोर द्वारा ट्विटर पर जारी एकटा पोस्ट मे लिखलनि कि विशिष्ट खुफिया इनपुट केँ आधार पर डोडा केँ उत्तर मे सामान्य क्षेत्र मे सेना आओर पुलिस द्वारा संयुक्त अभियान चलाओल जा रहल छथि । राति करीब 9 बजे आतंकी सब सँ संपर्क कायल गेल, जकर बाद भारी गोलीबारी भेल। एहि इलाका मे अतिरिक्त सैनिक भेजल गेल अछि।

Related articles

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here

Stay Connected

0FansLike
0FollowersFollow
0FollowersFollow
0SubscribersSubscribe

Latest posts