नई दिल्ली :गोंडा जिला केँ गोंडा-मनकापुर रेलखंड केँ मध्य चंडीगढ़ एक्सप्रेस केँ 14 कोच पटरी सँ उतरि गेल । दुर्घटनामे 4 गोटेके मृत्यु भेल अछि आओर 14 गोटे घायल भेल छथि ।
15904-चंडीगढ़ एक्सप्रेस चंडीगढ़ सँ गोरखपुर जा रहल छल। मोतीगंज थाना क्षेत्रक पिकौरा गामक समीप भेल दुर्घटना। पौने तीन बजे दू कोच पटरी सँ उतरी गेलै, जेकरा बाद 12 आओर कोच पलटी गेल ।
मुख्यमंत्री योगी आदित्यनाथ एहि घटनाक संज्ञान लेलनि अछि। ओ अधिकारी सब केँ तुरंत मौका पर पहुंचय आ राहत केँ काज मे तेजी लाबय आ घायल केँ उचित इलाज करबाक निर्देश देलनि अछि।
सीएम योगी जिला प्रशासन केँ अधिकारी केँ हर संभव सहायता देबय केँ निर्देश देलनि। सीएम केँ निर्देश पर आसपास केँ जिला केँ सब अस्पताल, सीएचसी आ पीएचसी केँ अलर्ट मोड पर राखल गेल अछि। एसडीआरएफ टीम केँ सेहो मौका पर पहुंचय आओर राहत कार्य मे तेजी अनबाक निर्देश देल गेल अछि
हेल्पलाइन नंबर भेल जारी
पूर्वोत्तर रेलवे केँ बाराबंकी-गोरखपुर रेल खंड पर मोतीगंज-झिलाही स्टेशन के बीच डाउन लाइन पर 15904 चंडीगढ़-डिब्रुगढ़ एक्सप्रेसक दुर्घटना केँ परिणामस्वरूप रेल यात्रीक सबके सहायता करबाक लेल हेल्पलाइन नंबर जारी कयल गेल अछि, जे निम्नलिखित अछि :
लखनऊ – 8957409292
गोंडा- 8957400965
सिवान – 9026624251
छपरा – 8303979217
देवरिया सदर- 8303098950