spot_img
Friday, August 22, 2025
spot_img
Homeटटका खबरिझारखण्ड विधानसभा चुनाव -2024 अमीत शाह राँची सँ कयलनि शंखनाद :कार्यकर्त्ता समागम...

झारखण्ड विधानसभा चुनाव -2024 अमीत शाह राँची सँ कयलनि शंखनाद :कार्यकर्त्ता समागम मे देलनि जीत केँ मंत्र

-

रांची: लोकसभा चुनावक बाद पहिल बेर गृहमंत्री अमित शाह केँ झारखंड मे पदार्पण भेल । मिथिला समाजक सह रांची नगर निगम वार्ड 26 केँ निवर्तमान पार्षद अरुण कुमार झा भारतीय जनता पार्टी केँ कार्यकर्त्ता संग रांची केँ हवाई अड्डा पर गुलाब केँ पुष्प द’ स्वागत कयलनि। झारखंड भाजपा केँ विस्तृत कार्यसमिति केँ बैसार मे भाग लैत रांची केँ धुर्वा क्षेत्र केँ प्रभात तारा मैदान मे जनसभा मे ओ आदिवासी सँ ल’ क’ भाजपा कार्यकर्ता तक सँ गप वार्ता कयलनि । गृहमंत्री कहला जे अगर कियो झारखंड केँ विकसित केलनि अछि त’ ओ मोदी जी छथि। पिछला 10 साल मे नरेंद्र मोदी झारखंड क’ 3 लाख 84 करोड़ टका देलनि अछि।

केंद्रीय गृहमंत्री भ्रष्टाचार केँ हथियार बना क’ झारखंड मुक्ति मोर्चा आ कांग्रेस पर हमला केलथि। ओ कहलनि जे, झामुमो सरकार सबसँ बेसी भ्रष्ट अछि। ओ जनता सँ पूछलथि जे कियो एक संग 300 करोड़ टका देखने अछि। कांग्रेस केँ एकटा सांसद नेता केँ घर सँ 300 करोड़ रुपया भेटल अछि। राज्य मंत्री केँ करीबी केँ घर सँ 30 करोड़ सँ बेसी टका बरामद भेल। कांग्रेस केँ बतेबाक चाहि ई बरामद भेल रूपया केकर छल।

गृहमंत्री झारखंड विधानसभा चुनाव केँ शंखनाद कयलनि । रांची केँ धुर्वा क्षेत्र केँ प्रभात तारा मैदान मे आयोजित विस्तृत कार्यसमिति केँ बैसार मे गृहमंत्री भाजपा कार्यकर्ता सब सँ आगामी विधानसभा चुनाव केँ तैयारी प्रारंभ करबाक लेल कहलनि अछि। केंद्रीय गृहमंत्री बैसार मे पार्टी कार्यकर्ता सब सँ कहलनि जे अहाँ सब झारखंड मे भाजपा सरकार बनाउ, हम सब एहि ठामक आदिवासी केँ संख्या आ हुनकर सब लुटल जमीन केँ वापस करबाक काज करब।

Related articles

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here

Stay Connected

0FansLike
0FollowersFollow
0FollowersFollow
0SubscribersSubscribe

Latest posts