राँची (झारखण्ड) : झारखण्ड राज्य वर्ष 2000 मे एक स्वायत्त राज्यक रूप मे अस्तित्व मे आयल छल । जाहि दिन सँ राज्य केँ स्थापना भेल ओहि दिन सँ नव नियम , नव बोर्ड इत्यादि केँ गठन भेल। जाबत तक बिहार राज्य सरकार केँ अधीन सब नियम कानून चलैत छल ताबत तक सुनबा अबैत छल जे , एशिया केँ सब सँ पैघ आवास बोर्ड केँ कॉलोनी कंकरबाग हाउसिंग कॉलोनी,पटना अछि । मुदा जहिना झारखण्ड राज्य केँ निर्माण भेल तहिना झारखण्ड राज्य आवास बोर्ड केँ गठन भेल आओर झारखण्ड केँ राजधानी रांची बनल। चुकी राजधानी रांची छल आओर हरमू हाउसिंग कॉलोनी , मुख्य मार्ग पर स्थित छल। आवास बोर्ड केँ अधीन होयबाक कारण सँ एहि क्षेत्रक जमीन सभहक दाम जमीन दलाल लोकनिक कारण सँ आसमान छुबय लागल। राज्यक गठन भेला केँ बाद रांची नगर निगम सक्रीय भूमिका मे आबि गेल। आवास बोर्ड केँ क्षेत्र मे बच्चा सभक खेलेबाक हेतु जतेक मैदान सब छल सबके घेरि घेरि क’ नगर निगम पार्क बना देलक आओर ओहि सँ उपार्जन करय लागल। वर्तमान मे संध्या काल ज बच्चा सबके पार्क मे जाय केँ ईच्छा होयत त’ कम सँ कम 10 रूपया खर्च करय परत। झारखण्ड आवास बोर्ड केँ हरमू हाऊसिंग कॉलोनी केँ स्थिति ई अछि जे बच्चा सब संध्या काल रोड पर खेलाइ लेल मजबूर भ’ गेल छथि।
Trending Now
