दरभंगा : मिथिला केँ हृदय स्थली शहर दरभंगा केँ पैघ उपहार देबाक नीतीश सरकार केँ द्वारा कयल गेल अछि। 92 करोड़ रूपया केँ लागत सँ बनत एयरपोर्ट जकां सुबिधा सँ पूर्ण बस स्टैंड। दरभंगा केँ दिल्ली मोड़ स्थित बस स्टैंड केँ नवीनीकरण करबाक योजना केँ बिहार सरकार स्वीकृति प्रदान केलक अछि। 6.2 एकड़ मे नव बस स्टैंड केँ निर्माण कराओल जायत। दिल्ली केँ ईडीएमएसी इंजीनियरिंग कंसल्टेंट द्वारा डीपीआर बनाओल गेल अछि। आब प्रशासनिक स्वीकृति हेतु बुडको डीपीआर केँ आगा बढ़ाओत। उक्त बातक जानकारी शनि दिन नगर विधायक संजय सरावगी अपन कार्यालय मे समीक्षा बैसार मे देलनि। एहि बैसार मे बुडको परियोजना केँ निदेशक कामेश्वर प्रसाद संग विभाग केँ अन्य अधिकारी आ ईडीएमएसी इंजीनियरिंग कंसल्टेंट केँ प्रतिनिधि उपस्थित छला।

