देवघर (झारखण्ड) : आई बाबा नगरी देवघर मे राजकीय श्रावणी मेला- 2024 केँ शुभारम्भ पूजा – अर्चना क’ विधि विधान सँ दिप प्रज्ज्वलित क’ झारखण्ड सरकार केँ मंत्री-पेयजल एवं स्वच्छता विभाग केँ मंत्री सह गढ़वा विधायक मिथिलेश ठाकुर कयलनि। एहि अवसर पर मंत्री सह महगामा विधायक दीपिका पांडये सिंह संग अनेको वरिष्ठ लोकनि उपस्थित छला। बाबा बैद्यनाथ सभहक कल्याण करैथ एहि केँ कामना मंत्री मिथिलेश ठाकुर कयलनि।
विश्व प्रसिद्ध श्रावणी मेला एक मास तक (भरि साओन ) तक राजकीय सहायता एवं सम्पूर्ण व्यवस्था संग चलत।
Trending Now
