सूर्य एयरलाइंस केँ टेस्ट फ्लाइट छल , जेकरा मे 18 गोटेक केँ मृत्यु भेल छनि
नेपाल : नेपाल के नागरिक उड्डयन प्राधिकरण सँ जानकारी प्राप्त भ’ रहल अछि काठमाण्डु केँ त्रिभुवन विमान स्थल मे बुधदिन भोरमे सूर्य एयरलाइंसक’ विमान दुर्घटनाग्रस्त भेला मे नाबालिग सहित 18 गोटे केँ मृत्यु भेल अछि ।
नेपाल नागरिक उड्डयन प्राधिकरण केँ सहप्रवक्ता ज्ञानेन्द्र भुल एहि बातक जानकारी मीडिया केँ कहलनि अछि , जहाजमे दुटा चालक दल आ विमान सेवा कर्मचारी छला ।
नेपाल पुलिस और नागरिक उड्डयन प्राधिकरण केँ अधिकारीसब एक पायलटके सुरक्षित बचेबाक आ उपचारके लेल अस्पताल लजाओल गेल अछि ताहि बातक पुष्टि केने छथि ।
सूर्य एयरलाइंस केँ अनुसार मृतक मे एकटा विदेशी नागरिक सेहो छथि।