नई दिल्ली/ बांग्लादेश, पश्चिम बंगालक मुख्यमंत्री ममता बनर्जीक बांग्लादेशक लोकसभकेँ शरण देबाक हालक टिप्पणीपर कूटनीतिक माध्यमसँ भारतकेँ अपन आपत्तिसँ अवगत करा देलक अछि। बांग्लादेशक विदेश मंत्रालय कहलक जे हुनक टिप्पणी लोकसभकेँ ‘‘भ्रम’’ आ ‘‘गुमराह’’ कऽ सकैत अछि।
मंगलदिन एकटा रिपोर्टमे कहल गेल अछि जे बांग्लादेशक विदेश मंत्रालय कूटनीतिक माध्यमसँ भारत सरकारसँ सम्पर्क कयलक आ कहलक जे बनर्जीक टिप्पणी बांग्लादेशक लोकमे भ्रम उत्पन्न कऽ सकैत अछि। ऐहि संबंध में बांग्लादेशक सरकारी समाचार मीडिया एकटा खबर प्रसारित कैलक अछि।
स्थानीय समाचार माध्यम में छपल खबरक अनुसार, ओतऽ के विदेश मंत्री कहलक, पश्चिम बंगालक मुख्यमंत्री ममता बनर्जीकेँ हबसब पूरा सम्मान करैछियन, हुनक सङ्ग हमर सब के बहुत नीक सम्बन्ध अछि। उनका संगे हमरासभक गहिर सम्बन्ध अछि मुदा हुनक टिप्पणीसँ किछु भ्रम उत्पन्न करै बला छैन। हुनक टिप्पणी एतके लोकसभकेँ गुमराह कऽ सकैत अछि। हम एहि मुद्दा पर भारत सरकार के पत्र लिखने छी।
एतऽ बता दी कि हालहिमे कोलकातामे एकटा रैलीमे बनर्जी कहने छलीह जे बांग्लादेशमे बढ़ैत हिंसाकेँ देखैत ओ पड़ोसी देशक पीड़ित लोकक लेल अपन राज्यक दरवाजा खुजल राखत आ हुनका आश्रय देत। ओ सोशल मीडिया प्लेटफॉर्म एक्स पर सेहो एहने टिप्पणी पोस्ट कयलनि।