spot_img
Thursday, March 19, 2026
spot_img
Homeटटका खबरिअपन दायित्व केँ निर्वहन करैत सामाजिक आर्थिक एवं संसदीय अध्ययन केन्द्र, रांची...

अपन दायित्व केँ निर्वहन करैत सामाजिक आर्थिक एवं संसदीय अध्ययन केन्द्र, रांची ‘वृक्षारोपण’ कयलक ।

-

रांची (झारखण्ड) : आइ सामाजिक आर्थिक एवं संसदीय अध्ययन केन्द्र द्वारा राँची के हिनु यूनाइटेड हाई स्कूल परिसर मे गहन वृक्षारोपण कार्यक्रम आयोजित कयल गेल। स्कूल केँ छात्र, शिक्षक केँ संग- संग संस्था केँ अधिकारी आ कार्यकर्ता सभहक द्वारा सागवान, तिल, आम, फूल आ छायादार पौधा जेना गुलमोहर, चंपा, मौलश्री, आमला लगाओल गेल आ ओकर पोषण लेल जैविक खाद लगाओल गेल। पर्यावरण संरक्षण आ संतुलन केँ दिशा मे एहि एकीकृत प्रयास मे स्कूल केँ छात्र दू डेग आगा बढ़ि अपन उपस्थिति दर्ज करौलनि । गहन वृक्षारोपण केँ अवसर पर आयोजित “जीवन बचायें -बृक्ष लगायें” संगोष्ठी केँ संबोधित करैत संस्थाक सचिव अयोध्यानाथ मिश्र वैश्विक पर्यावरणीय चुनौती केँ चर्चा करैत प्रकृति केँ समन्वित जीवन पद्धति केँ आवश्यकता पर जोर दैत कहलनि जे सवाल अछि मनुष्य सहित सब जीवक लेल ई संरक्षण केँ बात छै नै कि प्रकृति संरक्षण के ! हमर अस्तित्व तखनहि सुरक्षित अछि जखन प्राकृतिक संतुलन बनल रहत । संगोष्ठी केँ सम्बोधित अध्यक्ष ओ.पी.लाल, विद्यालय केँ प्राचार्य डॉ. संगीता कुमारी, उपाध्यक्ष संजय खंडेलवाल, कोषाध्यक्ष नवीन कुमार झा आओर अरुण कुमार मिश्र कयलनि । संस्था केँ संयुक्त सचिव अमरनाथ झा द्वारा आयोजनक सञ्चालन कयल गेल । विद्यालय केँ वरिष्ठ शिक्षक दीपक पाण्डेय केँ निर्देशन मे वृक्षारोपण केँ कार्य सम्पन्न भेल । एहि अवसर पर समाजसेवी अजय तिवारी, किशोर झा ‘मालवीय’ आदिक संग बहुत रास विशिष्ट नागरिक आ पूर्व शिक्षक लोकनि भाग लेलनि ।

Related articles

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here

Stay Connected

0FansLike
0FollowersFollow
0FollowersFollow
0SubscribersSubscribe

Latest posts