नई दिल्ली : दिल्ली पुलिस आई रविदिन कोचिंग सेंटर के मालिक आ समन्वयक केँ गिरफ्तार केलक अछि, जकर तहखाना मे शनिदिन पानि भरला केँ कारण तीन सिविल सेवा अभ्यर्थि केँ मृत्यु भ’ गेल छल। एहि घटना केँ ल’ क’ इलाका मे विरोध प्रदर्शन भेल। अधिकारी सब कहलनि जे, कोचिंग सेंटर केँ ‘तहखाना’ केँ ‘स्टोर रूम’ केँ रूप मे उपयोग करबाक अनुमति छल, मुदा एकर उपयोग पुस्तकालय केँ रूप मे होइत छल , जे नियम के उल्लंघन अछि। दिल्ली केँ मेयर शैली ओबेरॉय द्वारा दिल्ली नगर निगम (एमसीडी) केँ आयुक्त केँ दिल्ली मे एमसीडी केँ अधिकार क्षेत्र मे ऐहन सब कोचिंग संस्थान पर सख्त कार्रवाई करबाक निर्देश देलनि अछि , जे ‘तहखाना’ मे व्यापारिक गतिविधि करी रहल छथि । संगहि घटना केँ लेल जिम्मेदार अधिकारी केँ विरुद्ध कार्रवाई करबाक निर्देश देलनि अछि। दिल्ली फायर सर्विस केँ प्रमुख अतुल गर्ग कहलनि जे, संस्था फायर विभाग केँ मानदंड केँ उल्लंघन करैत काज क’ रहल अछि।
पुलिस केँ कहनाय अछि जे एहि घटना मे मारल गेल सिविल सेवा उम्मीदवार केँ पहचान उत्तर प्रदेश केँ अम्बेडकर नगरक श्रेया यादव, तेलंगाना केँ तान्या सोनी आओर केरल केँ एर्नाकुलम केँ नवीन डालविन केँ रूप मे कएल गेल अछि। श्रेया यादव केँ सम्बन्धी धर्मेन्द्र यादव केँ कहनाय छनि जे एहि घटना केँ बारे मे हुनका न्यूज चैनल केँ माध्यम सँ पता चलल छल। ओ कहलनि जे, हम हुनका फोन करबाक प्रयास केलहुं, मुदा हुनकर फोन बंद छल। कोचिंग सेंटर केँ नंबर तक उपलब्ध नै छल। हम गाजियाबादसँ विदा भेलहुँ आ ओहि ठाम पहुँचलहुँ जतय ओ रहैत छलीह, मुदा हुनकर कोठलीमे ताला लागल छलनि।”