लहरि रूम : मीडिया सूत्र सँ खबरि आबि रहल अछि जे हावड़ा-सीएसएमटी एक्सप्रेस दुर्घटना ग्रस्त भ’ गेल अछि। झारखंड केँ चक्रधरपुर केँ नजदीक हावड़ा-सीएसएमटी एक्सप्रेस केँ 18 बोगी केँ पटरीसँ उतरला सँ कम सँ कम एक गोटे केँ मृत्यु भ’ गेल अछि आ लगभग 60 गोटे घायल भ’ गेलाह। दक्षिण पूर्वी रेलवे केँ अंतर्गत राजखरसावां आ बदाबाम्बो स्टेशन केँ बीच ट्रेन पटरी सँ उतरि गेल। हावड़ा सँ मुंबई जा रहल ट्रेन लगभग भोर 3:45 बजे पटरी सँ उतरि गेल।
हावड़ा-मुंबई मार्ग पर चक्रधरपुर केँ नजदीक ट्रेन दुर्घटना स्थल पर एखन राहत आ बचाव कार्य चलि रहल अछि। बचाव केँ प्रयास शुरू भ’ गेल अछि, जाहि मे स्थानीय पुलिस आ रेलवे कर्मचारी यात्री केँ सक्रिय रूप सँ मदद क’ रहल छथि।
यात्री लोकनि लेल आओर कोनो तरहक जानकारी प्राप्त करबाक हेतु हेल्प लाइन नंबर जारी कयल गेल अछि
हेल्पलाइन नंबर
टाटानगर : 06572290324
चक्रधरपुर : 06587238072
रौरकेला : 06612501072, 06612500244
हावड़ा : 9433357920, 03326382217
राँची : 0651-27-87115।
एचडब्ल्यूएच हेल्प डेस्क: 033-26382217, 9433357920
एसएचएम हेल्प डेस्क: 6295531471, 7595074427
केजीपी हेल्प डेस्क: 03222-293764
सीएसएमटी हेल्पलाइन ऑटो सं 55993
पी एंड टी 022-22694040
मुंबई : 022-22694040
नागपुर : 7757912790