spot_img
Friday, August 22, 2025
spot_img
Homeटटका खबरिनीट विवाद/ सरकार कहैत अछि जे छात्रक हितक रक्षाक लेल सभ कदम...

नीट विवाद/ सरकार कहैत अछि जे छात्रक हितक रक्षाक लेल सभ कदम उठायल जायत

-

नई दिल्ली/ मेडिकल प्रवेश परीक्षा नीट मे अनियमितताक आरोपक बीच सरकार मंगल दिन राज्यसभामे अपन रुख रखलक। सरकार कहलक जे ओ छात्रक सर्वाेत्तम हितक रक्षाक लेल सभ आवश्यक कदम उठयत।

उच्च सदनमे प्रश्नकालक दौरान राष्ट्रीय पात्रता-प्रवेश परीक्षासँ सम्बन्धित पूरक प्रश्नक उत्तर दैत स्वास्थ्य आ परिवार कल्याण राज्य मंत्री अनुप्रिया पटेल कहलनि, ष्जतय धरि पेपर लीकक आरोपक सवाल अछि, सर्वाेच्च न्यायालयक फैसला हमरा लग पहिनहि आबि चुकल अछि।

हम आश्वस्त करय चाहब जे सरकार छात्रसभक सर्वाेत्तम हितक लेल प्रतिबद्ध अछि आ जे किछु आवश्यक होयत ओ सरकार द्वारा कयल जायत, ओ कहलनि।

एकटा आओर पूरक प्रश्नक उत्तर दैत मंत्री कहलनि, ष्नीट-यूजी काउंसिलिंगक पहिल दौर १४ अगस्तसँ शुरू होयत। हम पहिनेसँ घोषणा कऽ चुकल छी जे काउंसिलिंगक पहिल दौर १४ अगस्तसँ शुरू होयत आ सर्वाेच्च न्यायालयक आदेशक अनुसार हम चारि चरणक काउंसलिंग करब। चारिम चरण 24 अक्टूबर के समाप्त होएत।

राष्ट्रीय परीक्षा एजेंसी (एनटीए) २६ जुलाईकेँ नीट-यूजीक परिणाम घोषित कयने छल। स्वास्थ्य सेवा महानिदेशालय (डीजीएचएस)क चिकित्सा परामर्श समिति (एमसीसी) द्वारा २९ जुलाईकेँ एकटा सार्वजनिक सूचनाक माध्यमसँ परामर्शक तारीखक घोषणा कयल गेल छल। पात्र अभ्यर्थीक पंजीकरण अगस्तक पहिल सप्ताहसँ शुरू होयत।

नीट-यूजीक अन्तर्गत सीटक आवंटन पारदर्शी ऑनलाइन परामर्श प्रक्रियाक माध्यमसँ कयल जाइत अछि। ई अभ्यर्थी सभकेँ परेशानी मुक्त तरीकासँ भाग लेबाक अनुमति दैत अछि।

Related articles

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here

Stay Connected

0FansLike
0FollowersFollow
0FollowersFollow
0SubscribersSubscribe

Latest posts