दरभंगा : मीडिया सूत्र सँ खबरि आबि रहल अछि जे बिहार केँ मिथिला क्षेत्र दरभंगा जिला केँ कोर्ट मंगलदिन एकटा किशोरी केँ संग दुष्कर्म आ एकटा अश्लील वीडियो वायरल करय वाला चारिटा आरोपी केँ 20 वर्ष केँ जेलक सजा सुनौलक अछि। दरभंगा कोर्ट ((पोक्सो कानून) ) केँ विशेष न्यायाधीश प्रोतिमा परिहार द्वारा जिला केँ जाले थाना क्षेत्र केँ मलिकपुर गाम केँ मुरारी कुमार, रोहन कुमार, सागर कुमार आओर अशोक कुमार केँ किशोरी केँ संग दुष्कर्म क ओकर अश्लील वीडियो बनाबय केँ मामला मे 20 साल केँ सश्रम कैद केँ सजा सुनौलनि आ 50500 रुपया केँ जुर्माना सेहो लगाओल गेल।
Trending Now
