रांची : झारखण्ड केँ राजधानी रांची मे मिथिला समाजक ‘मनु भाकर’ बनि उभरि रहल छथि सुश्री ‘सृष्टि प्रिया’. अखनि धरि अपन बाल्या अवस्था मे अनेकों पुरस्कार आओर मेडल सँ सम्मानित भ’ चुकल छथि। सुश्री ‘सृष्टि प्रिया’. रांची जिला स्थित डीएवी हेहल केँ 11म कक्षा केँ छात्रा छथि। शनैः शनैः ओ अपन अभियान मे आगा बढ़ि रहली अछि। 10 मीटर निशाने बाजी मे अपन जलवा बिखेर रहली अछि। जाहि विधा मे ओ अपना आप स्थापित क’ रहली अछि ओ विधा अत्यधिक खर्च केँ मांग करैत अछि। कारण निशाने बाजी केँ क्षेत्र मे जाहि बन्दुक आओर परिधान केँ उपयोग होइत अछि ओकरा समय समय पर रूपान्तरित करय परति अछि आ ओकर खर्च वहन केनाई एकटा निम्न मध्यम वर्गीय परिवारक लेल बेसी कष्टकर होइत अछि। तथापि अपन माता पिता केँ सहयोग सँ सुश्री ‘सृष्टि प्रिया’. आगु बढ़ि रहलि अछि। सुश्री ‘सृष्टि प्रिया’. अपन माता पिताक पहिल संतान छथि हिनक साधना मे हिनक माता – पिता यथा साध्य संग द’ रहल छथि। हिनक पिता प्रवीण कुमार ठाकुर रेलवे कर्मचारी छथि आओर माता कुमुद झा ठाकुर – समाजसेविका छथि। हिनका सँ छोट हिनक एकटा भ्राता ‘दिव्यम प्रवीण’ सेहो छथि ओहो अपन बहिन केँ मार्गदर्शन पर एहि निशानेबाजी प्रतिस्पर्धा मे आगु बढ़ि रहला अछि।
ओना त’ कहबि छैक जे हुनर मंद अपन पथक निर्माण स्वयं करैत आबि रहला अछि मुदा जं कोनो हुनरबाज कोनो कारण (सामाजिक, आर्थिक आओर राजनीतिक )सँ पिछड़ैत छथि त’ समाजक दायित्व बनैत अछि ओहि कारण केँ दूर क’ ओहि हुनरबाज केँ उज्जवल भविष्य केँ निर्माण मे सहयोग करी।
सुश्री ‘सृष्टि प्रिया’. उपलब्धि पर एक नजरि

राइफल सूटिंग कौशल
चैम्प्यनशिप प्रतियोगिता उपलब्धि
09वीं झारखण्ड राज्य राइफल सूटिंग चैम्प्यनशिप जेएच-56-10मीटर एयर राइफल यूथ वूमेन सिल्वर मेडल
10वीं झारखण्ड राज्य राइफल सूटिंग चैम्प्यनशिप एसटी-05-10मीटर एयर राइफल जूनियर वूमेन गोल्ड मेडल
एसटी-06-10मीटर एयर राइफल यूथ वूमेन गोल्ड मेडल
11वीं झारखण्ड राज्य राइफल सूटिंग चैम्प्यनशिप एसटी-06-10मीटर एयर राइफल यूथ वूमेन ब्रोंज मेडल
रांची जिला राइफल सूटिंग चैम्प्यनशिप 10मीटर एयर राइफल यूथ वूमेन सिल्वर मेडल
12वीं झारखण्ड राज्य राइफल सूटिंग चैम्प्यनशिप 10मीटर (एन आर) चैम्प्यनशिप वूमेन (व्यक्तिगत) गोल्ड मेडल
10मीटर (एन आर) चैम्प्यनशिप जूनियर वूमेन (व्यक्तिगत) गोल्ड मेडल
10मीटर (एन आर) चैम्प्यनशिप यूथवूमेन (व्यक्तिगत) गोल्ड मेडल
पहला कंट्री क्रिकेट क्लब राइफल सूटिंग चैम्प्यनशिप 10 मीटर एयर राइफल सब यूथवूमेन गोल्ड मेडल
10 मीटर एयर राइफल यूथवूमेन गोल्ड मेडल
24 वीं कुमार सुरेन्द सिंह इंटर स्कूल नेषनल राइफल सूटिंग चैम्प्यनशिप
10 मीटर एयर राइफल सब यूथ वूमेन सिल्वर मेडल
6 वी इस्ट जोन राइफल शूटिंग चैंपियनशिप 10मीटर एयर राइफलसब यूथ वूमेन 5म रैंक
10मीटर (एन आर) चैम्प्यनशिप वूमेन (व्यक्तिगत) 7म रैंक
10मीटर (एन आर) चैम्प्यनशिप जूनियर वूमेन (व्यक्तिगत) 6म रैंक
10मीटर (एन आर) चैम्प्यनशिप यूथ वूमेन (व्यक्तिगत) 6म रैंक
31वी आलइंडिया G.V.मावलंकर शूटिंग चैंपियनशिप 10मीटर
एयर राइफल यूथ वूमेन(व्यक्तिगत) 9म रैंक
डीएवी नेशनल टीम 2022 गोल्ड
डीएवी नेशनल टीम 2023 गोल्ड
डीएवी नेशनल इंडिविजुअल 2023 ब्रॉन्ज
सीबीएसई गेम्स -नेशनल 2022 टीम गोल्ड
सीबीएसई गेम्स जोनल – व्यक्तिगत गोल्ड
सीबीएसई गेम्स जोनल टीम गोल्ड
डीएवी जोनल टीम गोल्ड
डीएवी जोनल व्यक्तिगत गोल्ड