सातदिन सँ बेसी हिंसात्मक प्रदर्शन केँ बाद शेख हसीना देलनि इस्तीफा : जान प्राण ल’ क’ भागली – भारत मे लेली शरण
नई दिल्ली : बेदखल बांग्लादेश केँ प्रधानमंत्री शेख हसीना C -130 विमान सँ गाजियाबाद केँ हिंडन हवाई अड्डा पर उतरली। ई विमान भारतीय वायुसेना के C- 17 आओर C – 130 जे सुपर हरक्यूलिस विमान हैंगर केँ निगरानी मे अछि । खबरि केँ अनुसार भारतीय हवाई क्षेत्र मे प्रवेश सँ ल’ क’ गाजियाबाद मे उतरै तलक के आवाजाही पर भारतीय वायुसेना नजरि रखने अछि । मीडिया रिपोर्ट केँ अनुसार भारत मे रहला केँ बाद शेख हसीना लंदन केँ लेल उड़ान भरतीह। तत्काल ई साफ नहि छल कि भारत सँ सैन्य परिवहन विमान हुनका आगू बढ़ाबै वाला छनि आ अलग विमान सँ लंदन लेल विदा हेति । एहि बीच खबरि आबि रहल अछि जे ब्रिटेन बांग्लादेश केँ पूर्व पीएम शेख हसीना केँ राजनीतिक शरण केँ आग्रह क॑ स्वीकार करै सँ इनकार करी देलक अछि । सूत्रक अनुसार शेख हसीना किछु दिन भारत मे रहती ।
खबरि केँ अनुसार वायुसेना केँ एकटा वरिष्ठ अधिकारी शेख हसीना केँ स्वागत केलनि। भारत द्वारा ढाका केँ आग्रह केँ बाद हसीना केँ विमान केँ भारतीय हवाई क्षेत्र सँ सुरक्षित रास्ता उपलब्ध करेबाक फैसला कयलक । ढाका मे भेल घटनाक्रम पर केंद्र सरकार कोनो प्रतिक्रिया नहि देलक अछि। ओना सबटा घटनाक्रम पर बारीकी सँ नजरि राखल जा रहल अछि। एहि सँ पहिने बांग्लादेश केँ सेना प्रमुख जनरल वकार-उज-जमान एहि बात केने पुष्टि केने छलाह जे शेख हसीना इस्तीफा द’ देलनि अछि आओर अंतरिम सरकार बनत।

बांग्लादेश केँ प्रधानमंत्री शेख हसीना सोमदिन (आई ) इस्तीफा द’ देलनि आओर देश छोड़ि देलनि आओर हुनकर 15 साल केँ कार्यकाल समाप्त भ’ गेलनि। हुनक इस्तीफा सप्ताह भरि सँ चलि आबि रहल सरकार विरोधी हिंसा केँ बाद भेल अछि। जाहि मे 76 वर्षीय हसीना आओर हुनक बहिन शेख रेहाना देश छोड़ी पलायन क’ गेलैथ। कारण हजारों प्रदर्शनकारी ढाका मे हुनक आधिकारिक आवास भवन पर हमला क’ देलनि । बांग्लादेश केँ सेना प्रमुख जनरल वाकर-उज-जमान द्वारा घोषणा कयल गेल अछि जे अंतरिम सरकार सत्ता संभारत । ओ सेना केँ ठाड़ हेबाक आश्वासन देलनि आ छात्र प्रदर्शनकारी पर भेल घातक दमनक जांच करबाक वादा केलनि। बांग्लादेश मे विरोध प्रदर्शन बढ़ला केँ ढाका मे प्रदर्शन कारी केँ भीड़ द्वारा शेख हसीना केँ पिता आओर पूर्व बांग्लादेश राष्ट्रपति शेख मुजीबुर रहमान केँ मूर्ति केँ सेहो तोड़ी देल गेल ।
बांग्लादेश हिंसा पर केंद्र सरकार जे निर्णय लेत, हम सब ओकर समर्थन करब : ममता बनर्जी
बांग्लादेश केँ प्रधानमंत्री शेख हसीना केँ इस्तीफा आओर ओहिठाम अंतरिम सरकार केँ गठनक बाद पश्चिम बंगाल केँ सीएम ममता बनर्जी बंगाल केँ जनता सँ शांति कायम रखै के अपील कयलनि । कोनो तरहक अफवाह पर ध्यान नहि दियौक। ई दू देशक बात अछि, केंद्र सरकार जे निर्णय लेत, हम सब ओकर समर्थन करब। सब राजनीतिक दल केँ नेता सब अपील कयलनि जे कोनो अनर्गल भड़काऊ टिप्पणी नै करी जेकरा सॅं बंगाल या देश मे परेशानी उत्पन्न होइ आओर जाहि सँ शान्ति भंग भ’ जाइ । भाजपा के किछ नेता एहि पर टिप्पणी क चुकल छथिन्ह. ई काज नहि करबाक चाही।