spot_img
Sunday, August 24, 2025
spot_img
Homeटटका खबरिदिल्ली सरकारी अस्पतालक रेजिडेंट डॉक्टर सोमदिन हड़ताल पर किएक जैता?

दिल्ली सरकारी अस्पतालक रेजिडेंट डॉक्टर सोमदिन हड़ताल पर किएक जैता?

-

नई दिल्ली/ दिल्लीक कतेको पैघ सरकारी अस्पतालक रेजिडेंट डॉक्टर काल्हि अर्थात १२ अगस्तकेँ सामूहिक हड़ताल पर रहता। एहि हड़तालक कारण दिल्लीक स्वास्थ्य सेवा ध्वस्त भऽ सकैत अछि। मुदा, आपातकालीन सेवा पहिने जकाँ चलत। ई विरोध कोलकातामे एकटा महिला डॉक्टरक क्रूरतापूर्ण हत्या आ बलात्कार के विरोधमे कयल जा रहल अछि।

विरोध प्रदर्शनक कारण सोमदिन दिल्लीक मौलाना आजाद, लोक नायक, राम मनोहर लोडिया, लेडी हार्डिंग आ जीटीबी अस्पतालमे ओपीडी, वैकल्पिक सर्जरी आ प्रयोगशाला सेवा बंद रहत। रेजिडेंट डॉक्टर्स एसोसिएशन कोलकाताक महिला डॉक्टरक मामलाक प्रति एकजुटताक लेल विरोध प्रदर्शनक घोषणा कयलक अछि। सब रेजिडेंट डॉक्टर महिला डॉक्टर के लेल न्याय के मांग करत।

बता दिउ कि कोलकाताक सरकारी अस्पतालक सेमिनार हॉलमे एकटा महिला प्रशिक्षु डॉक्टर मृत पाओल गेल छल। हुनक मृत शरीर आधा नंग्न अवस्था में पड़ल छल। मृतक डॉक्टर छाती रोग चिकित्सा विभागक द्वितीय वर्षक छात्रा छली। ओ बृहस्पति के ड्यूटी पर छलीह। पुलिसकेँ आशंका अछि जे महिला चिकित्सकक यौन उत्पीड़नक बाद हत्या कयल गेल अछि।

प्रारंभिक पोस्टमॉर्टम रिपोर्टक अनुसार महिलाक निजी अंगसँ खून निकलि रहल छल। महिलाक शेष शरीर सेहो क्षतिग्रस्त भऽ गेल छल। हुनकर आँखि, चेहरा, नाखून, पेट, बायां टांग, गर्दन, दहिना हाथ, अनामिका आ ओठ पर चोटक निशान छल।

कोलकाता पुलिस कहलक जे ई घटना भोर ३ बजे सँ ६ बजे के बीच भेल। गर्दन के हड्डी सेहो टूटल अछि। लगैत अछि जेना ओकर गला दबा देल गेल अछि। पुलिस विस्तृत पोस्टमॉर्टम रिपोर्टक प्रतीक्षा कऽ रहल अछि। कोलकाता पुलिस सेहो एहि मामलाक जाँचक लेल एसआईटीक गठन कयलक अछि।

Related articles

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here

Stay Connected

0FansLike
0FollowersFollow
0FollowersFollow
0SubscribersSubscribe

Latest posts