रांची : प्रत्येक वर्ष केँ एहि बेर सेहो भारत केँ 78वाँ स्वतंत्रता दिवस केँ अवसर पर विश्वम्भर फॉउंडेशन केँ प्रांगण मे ध्वजारोहण सह रक्षा राज्य मंत्री राजनाथ सिंह केँ आह्वान पर पर वृक्षारोपण केँ कार्यक्रम सम्पन भेल। आजुक ध्वजारोहण फॉउण्डेशन केँ वरिष्ठ सदस्य आओर पूर्व राजनीतिक सलाहकार (झारखण्ड सरकार ) अयोध्या नाथ मिश्र कयलनि। आजुक स्वतंत्रता दिवस केँ पर अपन मनक् उदगार प्रकट कयलनि संगहि वरिष्ठ सदस्य अमर नाथ झा एवं लहरि त्रैमासिक पत्रिका केँ संपादक नरेंद्र झा सेहो अपन वक्तव्य केँ माध्यम सँ बलिदान सँ प्राप्त भेल स्वतंत्रता केँ बचा क’ रखबाक प्रयास पर विशेष बल देलनि। अमर नाथ झा प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदी जी केँ द्वारा चलाओल गेल ‘हर – घर – तिरंगा , घर – घर – तिरंगा’ अभियान हुनका फॉउंडेशन केँ माध्यम सँ धन्यवाद देलनि।
ध्वजारोहण केँ उपरांत फॉउंडेशन केँ सहयोगी सदस्य कुंदन सिंह केँ संयोजन मे वृक्षारोपण केँ कार्यक्रम भेल। जेकर मुख्य आकर्षण आम – मौह केँ वृक्षारोपण छल। संयोजक कुंदन सिंह फॉउंडेशन केँ माध्यम सँ कहलनि जे फॉउंडेशन निरंतर निक काज क’ रहल अछि आओर करैत रहत। रांची मे जखन मिथिला केँ बेटी केँ विवाह होइत अछि तखन एकटा समस्या अबैत अछि जे आम आओर मौह केँ गाछ कतय भेटत। तखन एहि बातक ध्यान फॉउंडेशन केँ गेल आई स्वतंत्रता दिवस केँ दिन भगवती एम्पायर केँ प्रागण मे आम- मौह केँ पौधा लगाओल गेल अछि आओर फॉउंडेशन केँ माध्यम सँ सम्पूर्ण रांची मे जतय – जतय मैथिल निवास करैत छथि ओहि क्षेत्र मे आम- आओर मौह केँ वृक्ष लगाओल जायत। अभिभावक समाजसेवी विवेकानंद झा ‘मुन्नू’ जी केँ द्वारा सेहो वृक्षारोपण कयल गेल।
आजुक एहि आयोजन मे मुख्य रूप सँ फॉउंडेशन केँ सचिव नवीन कुमार झा , आयोध्या नाथ मिश्र, देवाशीष वत्स, विवेकानंद झा ‘मुन्नू जी’ , बिनोदानंद झा ‘बुबु जी’ , नरेंद्र झा, अमर नाथ झा, बाबू लाल झा , सुधीर ठाकुर, बीरेंद्र झा, प्रदीप कुमार चौधरी, राजेश झा, राधेश्याम यादव, मृत्युंजय झा, अवधेश कुमार (अवध किशोर), रांची भाजपा हरमू मंडल केँ अध्यक्ष इंद्रजीत यादव, बनारस यादव, संतोष यादव, हेमकांत झा, अभय चौधरी आओर किशोर झा संग अनेकों गणमान्य लोग उपस्थित छला।