spot_img
Friday, August 22, 2025
spot_img
Homeटटका खबरियुवा आक्रोश रैली केँ सफल बनेबाक हेतु जन जागरण अभियान

युवा आक्रोश रैली केँ सफल बनेबाक हेतु जन जागरण अभियान

-

रांची : झारखण्ड मे ज्योँ – ज्योँ विधानसभा चुनाव – 2024 नजदीक आबि रहल अछि त्यों -त्यों राजनीतिक पारा आसमान चढिं रहल अछि। वर्तमान मे झारखण्ड मे झारखण्ड मुक्ति मोर्चा केँ हेमंत सोरेन केँ नेतृत्व मे सरकार अछि। युवा सभहक हक़ आओर रोजगार केँ लेल भारतीय जनता पार्टी केँ अनुसांगिक इकाई भारतीय जनता युवा मोर्चा, झारखण्ड प्रदेश केँ द्वारा आगमी 23 अगस्त 2024 शुक्र दिन प्रातः 10 बजे युवा आक्रोश रैली बजाओल गेल अछि। एहि रैली केँ सफल बनेबाक हेतु सम्पूर्ण राज्य मे जन जागरण अभियान चलाओल जा रहल अछि।

एहि युवा आक्रोश रैली केँ सफल बनेबाक हेतु आई प्रातः काल रांची जिला केँ भारतीय जनता पार्टी केँ राँची महानगर अंतर्गरत हरमू मंडल अध्यक्ष इंद्रजीत यादव केँ नेतृत्व मे जन जागरण अभियान चलाओल गेल। एहि अभियान वार्ड 26 केँ पार्षद अरुण झा , वार्ड 37 केँ पार्षद विनोद सिंह, बनारस यादव संग अनेको गणमान्य लोग उपस्थित छला।

Related articles

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here

Stay Connected

0FansLike
0FollowersFollow
0FollowersFollow
0SubscribersSubscribe

Latest posts