spot_img
Friday, March 20, 2026
spot_img
Homeटटका खबरिरक्षा राज्य मंत्री संजय सेठ आओर डीआरएम सँ भेट कयलक प्रतिनिधी मंडल...

रक्षा राज्य मंत्री संजय सेठ आओर डीआरएम सँ भेट कयलक प्रतिनिधी मंडल : बाबा विद्यापति स्मारक समिति, रांची

-

रांची (झारखण्ड ) :आई दिनांक 22 अगस्त 2024 -शुक्र दिन बाबा विद्यापति स्मारक समिति, रांची द्वारा माननीय रेल मंत्री अश्वनी वैष्णव जी, भारत सरकार सँ एक्सप्रेस ट्रेन मांग पत्र बनाओल गेल अछि | उक्त मांग पत्र केँ प्रति रक्षा राज्यमंत्री संजय सेठ जी, आदरणीय राज्यसभा सांसद श्री दीपक प्रकाश जी आओर डीआरएम हटिया केँ सुपुर्द कयल गेल । पत्र केँ माध्यम सँ रांची सँ फारबिसगंज भाया सकरी-सहरसा होइत फारबिसगंज ट्रेन केँ मांग कयल गेल अछि। वर्तमान मे रांची सँ फारबिसगंज तक लेल एकोटा ट्रेन नहि अछि आ ई ट्रेन मिथिलावासी केँ लेल सेहो बहुत उपयोगी होयत। वर्तमान मे उक्त ट्रेन केँ सेवा प्रारंभ भेला सँ मिथिला केँ लगभग 10 जिला केँ यात्री आ नेपाल केँ यात्री केँ सेहो लाभ भेटत। झारखण्ड मे मिथिला वासी आओर नेपाल वासी पैघ संख्या मे रांची आओर रांची केँ नजदिकक क्षेत्र मे रहैत छथि। एहि उक्त मांग रांची केँ सांसद संजय सेठ जी जायज कहैत अश्वनी वैष्णव जी केँ समक्ष राखलथि आओर रेल मंत्री एहि पर क्रियान्वयन हेतु आस्वाशन देलनि।

आजुक कार्यक्रम मे बाबा विद्यापति स्मारक समिति, रांची केँ प्रतिनिधिमंडल जा क’ माननीय सांसद आ डीआरएम केँ मांग पत्र संग भेंट केलक। आजुक प्रतिनिधिमंडल मे समिति के अध्यक्ष श्री जयंत झा, उदित नारायण ठाकुर, राधेश्याम यादव, अवधेश मिश्र, श्याम किशोर चौबे, कैलाश सोनी आदि सम्मलित छलाह।

Related articles

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here

Stay Connected

0FansLike
0FollowersFollow
0FollowersFollow
0SubscribersSubscribe

Latest posts