spot_img
Thursday, March 19, 2026
spot_img
Homeटटका खबरियुवा आक्रोश रैली (रांची - झारखण्ड) मे प्रशासन आओर कार्यकर्ता केँ बीच...

युवा आक्रोश रैली (रांची – झारखण्ड) मे प्रशासन आओर कार्यकर्ता केँ बीच जबरदस्त जंग भारतीय जनता युवा मोर्चा केँ अनेको कार्यकर्ता घायल

-

रांची (युवा आक्रोश रैली ) : भारतीय जनता पार्टी केँ इकाई भारतीय जनता युवा मोर्चा, झारखण्ड प्रदेश केँ द्वारा शुक्रदिन रांची मे हेमंत सोरेन सरकार केँ विरोध मे युवा आक्रोश रैली केँ आयोजन केलक। एहि रैली मे भाग लेबा लेल हजारो भाजपा कार्यकर्ता सम्पूर्ण झारखण्ड सँ मोरहाबादी मैदान पहुंचलाह। भारतीय जनता युवा मोर्चा केँ युवा कार्यकर्त्ता लोकनि केँ रोकबाक लेल पुलिस बैरिकेड लगा देलक आ आंसू गैस के गोला सेहो छोड़लक। भाजपा नेता बाबूलाल मरांडी सरकार पर आरोप लगौलनि अछि जे एहि रैली मे आबय केँ लेल युवा सबके जगह जगह रोकल गेल ।

प्रदर्शनकारी केँ तितर-बितर करबाक लेल छोड़ल गेल आंसू गैस

भाजपा मोरहाबादी मैदान सँ मुख्यमंत्री आवास तक रैली निकालबाक योजना बनौने छल मुदा पुलिस प्रशासन ओकरा सब केँ मार्ग मे अवरोधक केँ काज केलक । पुलिस केँ द्वारा आंसू गैस गोला चलाओ आ वाटर केनन केँ प्रयोग कs क’ प्रदर्शनकारी सबके तितर-बितर कयल गेल ।

कांटेदार तार सँ पुलिस बैरिकेडिंग पर नाराजगी जताओल गेल

सरकार पर निशाना लगाबैत बाबूलाल मरांडी कहलनि जे, जाहि तरहे पुलिस बैरिकेडिंग काँटीदार तार सँ कयल गेल अछि, पहिने कहियो नहि भेल छल। भाजपा युवा मोर्चा केँ प्रदेश अध्यक्ष शशांक राज कहलनि जे, ओ कतबो प्रयास करय, आब ई सरकार युवा केँ स्वीकार करय वाला नहि छथि . ओ आगू कहलनि जे, राज्यक युवा एहि सरकार सँ जवाब मांगय चाहैत छथि जे पांच लाख रोजगार देबाक वादा क’ युवा केँ किएक ठकौलहूँ अछि ।

Related articles

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here

Stay Connected

0FansLike
0FollowersFollow
0FollowersFollow
0SubscribersSubscribe

Latest posts