विपक्ष केँ संग नीतीश केँ पार्टी! (की अछि संकेत ?)
पटना : भारतीय जनता पार्टीक सहयोगी दल जदयू विपक्ष केँ संग सुर मे सुर मिलबैत मांग रखलनि अन्य पिछड़ा वर्ग कल्याण संबंधी संसदीय समिति मे चर्चा लेल जाति आधारित जनगणना केँ विषय रूप मे सम्मलित कयल जाय ।द्रविड़ मुनेत्र कषगम (द्रमुक) के सदस्य टीआर बालू समिति केँ पहिल बैसार मे ई मुद्दा उठेलनि। एहि समितिक अध्यक्ष भाजपा सदस्य गणेश सिंह छथि ।
संसद सूत्र केँ अनुसार कांग्रेस केँ सदस्य माणिकम टैगोर चाहैत छला जे समिति “जाति आधारित जनगणना” केँ चर्चा केँ लेल पहिल विषय केँ रूप मे सूचीबद्ध करय। तृणमूल कांग्रेस सदस्य कल्याण बनर्जी हुनकर समर्थन केलनि। सूत्रक कहब अछि जे जदयू सदस्य गिरधारी यादव चाहैत छथि जे “जाति आधारित जनगणना” मुद्दा समिति द्वारा चर्चा लेल सूचीबद्ध कयल जाय। कल्याण बनर्जी समिति सँ “जाति आधारित जनगणना” करेबाक मुद्दा पर केंद्रीय गृह मंत्रालय केँ चिट्ठी लिखबाक मांग कयलनि ।

