60 सँ विधानसभा सीट पर चुनाव लड़बाक तैयारी मे अछि ‘झारखंड लोकतांत्रिक क्रांतिकारी मोर्चा’
लहरि रूम : जय राम महतो कहलनि- सुनलौं जे मुख्यमंत्री हेमंत सोरेन आब जोबा मांझी केँ खाली सीट सँ चुनाव लड़बाक तैयारी मे छथि हेमंत सोरेन ओ आगू कहलनि जे झारखंड केँ लोक गरीब अछि आ एहि गरीबी के कारण ‘मईया सम्मान योजना’ केँ लेल लाइन मे ठाढ़ भ’ रहल अछि। महतो कहलनि , गरीब बेटी सबके काजक जरूरत छै,नहि की बनावटी सम्मान केँ ।’
चम्पाई सोरेन केँ अपन बेटा केँ लेल नहि झारखण्ड केँ जनताक लेल राजनीति करबाक चाही।
कार्यक्रम मे जय राम महतो झामुमो नेता चम्पाई सोरेन के भाजपा मे शामिल होबय पर सेहो टिप्पणी केलनि। ओ बजलाह- ‘चम्पाई सोरेन मे किछु समस्या अवश्य भेल होयत, ताहि लेल झामुमो छोड़ि भाजपा मे आबि गेलाह। ओना चम्पाई सोरेन सँ अपील केलथि जे जतय कतहु रहथि, ओ अपन बेटा लेल नहि झारखंड लेल राजनीति करथि।
जेना-जेना चुनाव नजदीक अबैत गेल , एक-एक हजार टका हेतु फॉर्म भरैल गेल ।
जयराम महतो झारखंड सरकार पर निशाना बनबैत कहला जे साढ़े चारि साल सँ किछु नहि भेल आ आब चुनाव नजदीक आबि रहल अछि त’ महिला सभहक लेल एक-एक हजार टका हेतु ‘मईया सम्मान योजना’ क’ रूप फार्म भराओल जा रहल अछि । जय राम महतो कहलनि जे, जौं सरकार केँ ई योजना लागू करबाक छल त’ चुनाव जीतला केँ बाद एकरा लागु करीतौ । ई योजना मात्र वोट लेबाक हेतु आनल गेल अछि।