रांची (झारखण्ड ) : विश्वम्भर फाउंडेशन, रांची केँ तत्वावधान मे शिक्षक दिवस केँ अवसर पर 5 सितम्बर वृहस्पति दिन केँ सांझ मे फाउंडेशन केँ कार्यालय मे ‘शिक्षक सम्मानोत्सव’ केँ आयोजन कयल गेल | एहि अवसर पर समाजक शिक्षक लोकनि केँ सम्मानित कयल गेल। सरप्रथम फाउंडेशन केँ संचालन समितिक सदस्य अमर नाथ झा, बिनोदानंद झा आ गंगा प्रसाद यादव केँ संग समाज केँ शिक्षक-प्रधानाध्यापक शेखर कुमार झा आ दीपक चौधरी, शिक्षक किशुन झा, संजीव ठाकुर आ रमेश कुमार झा के मिथिला केँ संस्कृति सम्मान पाग, दोपटा आ पुस्तक द’ सम्मानित कयल गेल । एकर बाद फाउंडेशन सचिव नवीन कुमार आ राजेश झा केँ द्वारा मिथिला केँ सस्कृति सम्मान पाग आ डोपटा पहिरा क’ गंगा प्रसाद यादव, अमर नाथ झा आ विनोदानंद झा केँ सम्मानित कयल गेल। एहि अवसर पर गंगा प्रसाद यादव अपन वक्तवय केँ माध्यम सँ भारतक द्वितीय उपराष्ट्रपति डॉ. सर्वेपल्ली राधाकृष्णन केँ हुनक जयंती पर श्रद्धांजलि अर्पित करैत विश्वम्भर फाउंडेशन केँ सचिव नवीन कुमार झा केँ शिक्षक दिवस पर कार्यक्रम ‘शिक्षक सम्मानोत्सव’ केँ आयोजन करबाक लेल ह्रदय सँ बधाई देलनि आ आभार व्यक्त केलनि। एहि अवसर पर अमर नाथ झा डॉ. सर्वेपल्ली राधाकृष्णन केँ श्रद्धांजलि दैत समाजक शिक्षक लोकनि केँ आगू आबि फाउंडेशनक माध्यम सँ सेवाक भावना मे अपन सहभागिता प्रस्तुत करबाक लेल कहलनि।अमरनाथ झा कहलनि जे ई फाउंडेशन स्व. विश्वम्भर झा नाम पर अछि, हुनक आशीष सँ सामाजिक क्षेत्र मे नीक काज क’ रहल अछि | एहि अवसर पर सचिव नवीन कुमार झा, अमर नाथ झा, बिनोदानंद झा, गंगा प्रसाद यादव, राजेश झा, किशोर झा, प्रभाकर ठाकुर, आशीष कुमार केँ विशिष्ट शिक्षक उपस्थिती छल |
Trending Now
