spot_img
Friday, August 22, 2025
spot_img
Homeटटका खबरिबिहार मे जमीन सर्वे मे खुनी खेल प्रारंभ ? बोकारो केँ अशोक...

बिहार मे जमीन सर्वे मे खुनी खेल प्रारंभ ? बोकारो केँ अशोक सिंह केँ भेल मृत्यु / मर्डर !

-

पटना (बिहार) – जहानाबाद केँ खबरि : बिहार मे 20 अगस्त सँ भूमि सर्वेक्षणक काज चलि रहल अछि। आब एकर दुष्प्रभाव सेहो सोझाँ मे आबय लागल अछि । जहानाबाद सँ जे खबरि निकलल अछि ओकरा देखैत लगैत अछि जे सर्वेक्षण स सेहो विवाद कम नहि होएत, बल्कि आओर बढ़ि जायत। असल मे एतय संदिग्ध परिस्थिति मे एकटा व्यक्ति केँ मौत भ’ गेल छनि। जहानाबाद जिलाक कल्पा थाना क्षेत्रक धरमपुर गामक घटना अछि । मृतक केँ पहचान अशोक सिंह (55) केँ रूप मे कयल गेल अछि। अशोक सिंह झारखंड केँ बोकारो केँ निवासी छलाह आ जमीन केँ सर्वे क’ लेल अपन पैतृक गाम आयल छलाह।

वंशावली ठीक सँ बनायब , नहि त…(धमकी भेटैत छलनि )

परिवारक सदस्यक आरोप अछि जे अशोक सिंहक हत्या कयल गेल छनि । हुनकर कहब अछि जे जमीन विवाद क संबंध मे पहिने सँ धमकी भेट रहल छलनि । अशोक सिंहक भाइ कहलखिन जे पट्टीदार लोकनि हमरा सभकेँ धमकी देने छथि जे वंशावली ठीकसँ कराबी, नहि तँ हमरा सभकेँ मारि देत। घटना केँ जानकारी मिलैत देरी पुलिस मौका पर पहुंचल आ लाश केँ कब्ज़ा मे ल’ क पोस्टमार्टम केँ लेल पठा देलक। कल्पा थाना प्रभारी राजकुमार राय कहलनि जे, मामलाक जांच भ’ रहल अछि। प्रथम दृष्टया ई थाल मे खसला केँ कारण मृत्युक मामला बुझाइत अछि, मुदा पोस्टमार्टम रिपोर्ट अयला केँ बाद मृत्यु केँ कारण स्पष्ट भ’ जायत।

Related articles

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here

Stay Connected

0FansLike
0FollowersFollow
0FollowersFollow
0SubscribersSubscribe

Latest posts