spot_img
Monday, February 2, 2026
spot_img
Homeटटका खबरिकटिहार केँ मस्जिद पर QR (क्यूआर) कोड वाला पर्चा चिपकाओल गेल !

कटिहार केँ मस्जिद पर QR (क्यूआर) कोड वाला पर्चा चिपकाओल गेल !

-

कटिहार( बिहार) : बिहार केँ कटिहार जिला के मुस्लिम समुदाय वक्फ बोर्ड विधेयक केँ विरोध क’ रहल अछि। मीडिया सूत्र केँ अनुसार मुस्लिम समुदाय दावा क’ रहला अच्छी जे जं ई विधेयक पारित भ’ गेल त॑ हुनक मस्जिद, कब्रिस्तान आओर अन्य संपत्ति हुनका लोकनि सँ छीन लेल जायत । एकर विरोध मे मुस्लिम समुदाय केँ लोग अपन इलाका, मस्जिद आओर मदरसा केँ नजदीक जमा भ’ रहला अछि आओर QR (क्यूआर) कोड स्कैन करि क’ वक्फ बोर्ड विधेयक पर संयुक्त संसदीय समिति मे अपन विरोध दर्ज करा रहला अछि ।

ई विधेयक फिलहाल संसद के संयुक्त समिति केँ लग अछि, जतय एकरा पर चर्चा भ’ रहल अछि आओर जरूरी बदलाव केँ बाद एकरा फेर सँ सरकार केँ लग भेजल जाएत। एकर बाद संसद मे विधेयक पेश कैल जाएत आ बहस केँ बाद इ’ कानून केँ रूप लेत।

Related articles

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here

Stay Connected

0FansLike
0FollowersFollow
0FollowersFollow
0SubscribersSubscribe

Latest posts