spot_img
Monday, February 2, 2026
spot_img
Homeटटका खबरिबिहार सँ दक्षिण भारतक लेल 8 अक्टूबर तक 31 टा ट्रेन केँ...

बिहार सँ दक्षिण भारतक लेल 8 अक्टूबर तक 31 टा ट्रेन केँ परिचालन रद्द रहत आओर किछु केँ रुट परिवर्तित भेल

-

पटना (बिहार) : बिहार सँ दक्षिण भारत ट्रेन सँ जाय वाला यात्रीक लेल एकटा अशोभनीय खबरि अछि। अगिला किछु दिन धरि 31टा ट्रेन रद्द रहत। दक्षिण मध्य रेलवे मे भ’ रहल काजक कारण सँ इ फैसला लेल गेल अछि। पटना, दानापुर, रक्सौल, मुजफ्फरपुर सॅं बेंगलुरु, सिकंदराबाद, एर्नाकुलम जाय वाला ट्रेन प्रभावित होयत। पांच ट्रेन केँ रूट बदलल गेल अछि आओर एकटा ट्रेनक टाइमिंग सेहो बदलल गेल अछि।

बिहार सँ दक्षिण भारतक लेल 8 अक्टूबर तक 31 टा ट्रेन केँ परिचालन रद्द रहत आओर किछु केँ रुट परिवर्तित भेल

दक्षिण मध्य रेलवे अपन विजयवाड़ा-काजिपेट-बलहर्शाह खंड पर काज क’ रहल अछि। एहि ठाम वारंगल-होशियारपुर-काजिपेट-हसनपार्टी रोड स्टेशनक बीच चारिम लाइन बिछाउल जा रहल अछि। एहि काज केँ पूरा करबा लेल प्री-नॉन इंटरलॉकिंग आ नॉन इंटरलॉकिंग काज कैल जायत। ई काज 23 सितम्बर सँ प्रारम्भ होयत आ 8 अक्टूबर तक चलत। एहि कारण सँ 8 अक्टूबर तक बहुत रास ट्रेन रद्द रहत।

क्रमशः……………

Related articles

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here

Stay Connected

0FansLike
0FollowersFollow
0FollowersFollow
0SubscribersSubscribe

Latest posts