spot_img
Friday, August 22, 2025
spot_img
Homeटटका खबरिझारखंड मे 2.6 करोड़ मतदाता वोट करताह : 13 आओर 20 नवम्बर...

झारखंड मे 2.6 करोड़ मतदाता वोट करताह : 13 आओर 20 नवम्बर क’ होयत चुनाव

-

Jharkhand Vidhansabha Election 2024 : वर्तमान झारखंड विधानसभा केँ कार्यकाल 5 जनवरी 2025 क’ समाप्त भ’ रहल अछि। झारखंड मे पिछला पांच साल सँ झामुमो-कांग्रेस आ राजद गठबंधन केँ सरकार चलि रहल अछि। एहि क्रम झारखण्ड सरकार हेमंत सोरेन केँ नेतृत्व मे करीब साढ़े चारि साल तक चलल, जखन कि चंपाई सोरेन किछु मास तक मुख्यमंत्री केँ पद पर रहलाह। मुदा सीएम पद सँ हटला केँ बाद चम्पाई सोरेन झामुमो छोड़ि देलनि। पिछला लोकसभा चुनाव मे भाजपा राज्य मे दूटा सीट गंवा चुकल अछि । जखन कि कांग्रेस आ झारखंड मुक्ति मोर्चा 4 सीट पर जीत हासिल केलक।

झारखंड मे 2.6 करोड़ मतदाता वोट करताह……….

भारत निर्वाचन आयोग सँ प्राप्त आँकड़ा केँ आधार पर 2024 केँ झारखंड विधानसभा चुनाव मे 2 करोड़ 60 लाख मतदाता अपन मताधिकारक प्रयोग करताह। एहि मे 1 करोड़ 29 लाख महिला आ 1 करोड़ 31 लाख पुरुष मतदाता सम्मलित छथि।

झारखंड मे 81 विधानसभा सीट पर 13 आ 20 नवम्बर 2024 क’ मतदान होयत। मुख्य निर्वाचन आयोग राजीव कुमार चुनाव कार्यक्रम केँ घोषणा प्रेसवार्ता केँ संग कयलनि । जाहि सँ जानकारी प्राप्त भेल पहिल चरण मे 13 नवंबर आ दोसर चरण मे 20 नवंबर 2024 क’ झारखण्ड केँ मतदाता लोकनि अपन मताधिकार केँ उपयोग करता। मतगणना 23 नवंबर क’ संपन्न होयत।

13 तारीख क’ झारखंड मे मतदान केँ प्रथम चरण
चुनाव कार्यक्रम तिथि
अधिसूचना जारी के साथ नामांकन 18 अक्टूबर
नामांकन दाखिल करबाक अंतिम तिथि 25 अक्टूबर
नामांकन पत्रक जाँच 28 अक्टूबर
नामांकन वापसी केँ अंतिम तिथि 30 अक्टूबर
मतदान तिथि 13 नवम्बर

20 तारीख क’ झारखंड मे केँ दोसर चरण
चुनाव कार्यक्रम तिथि
अधिसूचना जारी के साथ नामांकन 22 अक्टूबर
नामांकन दाखिल करबाक अंतिम तिथि 29 अक्टूबर
नामांकन पत्रक जाँच 30 अक्टूबर
नामांकन वापसी केँ अंतिम तिथि 1 नवम्बर
मतदान तिथि 20 नवम्बर

चुनाव आयोग केँ मनसा छल जे झारखण्ड मे चुनाव एक चरण मे होई मुदा झारखण्ड नक्सल प्रभावित भेला केँ कारण सँ दू चरण मे चुनाव सम्पन्न होयत।
मतगणना तिथि : 23 नवम्बर
चुनाव प्रक्रिया पूरा होबयबाक तारीख 25 नवम्बर अछि
………….

Related articles

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here

Stay Connected

0FansLike
0FollowersFollow
0FollowersFollow
0SubscribersSubscribe

Latest posts