spot_img
Friday, August 22, 2025
spot_img
Homeटटका खबरिहरियाणा मे बनल डबल इंजन केँ सरकार : नायब सिंह सैनी दोसर...

हरियाणा मे बनल डबल इंजन केँ सरकार : नायब सिंह सैनी दोसर बेर मुख्यमंत्री पद केँ लेलनि शपथ

-

लहरि रूम : हरियाणा मे भाजपा तेसर बेर सरकार बनौलक आ नायब सिंह सैनी दोसर बेर मुख्यमंत्री बनलाह। पंचकुला केँ दशहरा मैदान में आयोजित शपथ ग्रहण समारोह में हुनका राज्यपाल बंगारू दत्तात्रेय द्वारा पद आ गोपनीयता केँ शपथ दियौलनि । सैनी केँ संग 13 अन्य मंत्री सेहो शपथ लेलनि। मानल जा रहल अछि जे एहि माध्यम सँ 36 बिरादरी (समुदाय) केँ प्रसन्न करबाक प्रयास कैल गेल अछि। एहि शपथ ग्रहण समारोह मे पीएम नरेन्द्र मोदी, गृहमंत्री अमित शाह, नितिन गडकरी एवं रक्षा मंत्री राजनाथ सिंह उपस्थित छला | एहि केँ अलावा अलावा चंद्रबाबू नायडू, एकनाथ शिंदे, योगी आदित्यनाथ, भूपेंद्र पटेल, ललन सिंह, चिराग पासवान सहित राजग (NDA) शासित राज्य केँ मुख्यमंत्री आओर नेता उपस्थित छला । एहि चुनाव मे नायब सिंह मंत्रिमंडल मे 35 प्रतिशत गैर जाट ओबीसी मंत्री छथि। जं जाट केँ सेहो सम्मलित कयल जाय तखन 7 मंत्री ओबीसी छथि तखन वर्तमान मंत्रिमंडल मे OBC 50 प्रतिशत छथि । मंत्रिमंडल मे दूटा महिला कैबिनेट मंत्री छथि।

शपथ लेनिहार

नायब सिंह सैनी – ओबीसी (मुख्यमंत्री)
1.अनिल विज – पंजाबी वैश्य
2.विपुल गोयल- वैश्य
3.महिपाल ढांडा -जाट
4.श्रुति चौधरी – जाट
5.राव नरबीर – यादव (ओबीसी)
6.आरती राव – यादव (ओबीसी)
7.गौरव गौतम – ब्राह्मण
8.अरविंद शर्मा – ब्राह्मण

  1. श्याम सिंह राणा – राजपूत
  2. कृष्ण कुमार बेदी – दलित
  3. कृष्ण लाल पंवार- दलित
  4. रणवीर गंगवा – ओबीसी
  5. राजेश नागर – गुर्जर (ओबीसी)

Related articles

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here

Stay Connected

0FansLike
0FollowersFollow
0FollowersFollow
0SubscribersSubscribe

Latest posts