झारखण्ड मिथिला मंच केँ तत्वावधान मे आई दिनांक 17 मार्च 2024 क’ रांची जिला केँ हरमू क्षेत्र मे होली सह परिवार मिलन समारोह आयोजित कयल गेल। एहि अवसर पर रांची जिला केँ प्रत्येक कोना सँ मैथिल सब अपन उपस्थिति दयलनि। मंच केँ तरफ सँ होली आओर जोगीरा गीतक प्रस्तुति करबाक हेतु मिथिला केँ नामचीन कलाकार ज्योति प्रिया आओर आलोक भारती अपन प्रस्तुति सँ उपस्थित श्रोता लोकैन केँ खूब झुमेलनि। स्थानीय कलाकार ज्योति मिश्रा भगवती गीत सँ अपन प्रस्तुति द’ समारोह केँ प्रारंभ कयलनि। एहि कार्यक्रम मे मुख्य रूप सन मंच के मुख्य संरक्षक सह वर्तमान सरकार मे मंत्री मिथिलेश ठाकुर एवं पूर्व सरकार के मंत्री सह रांची विधायक सी पी सिंह उपस्थित छला। अपन वक्तव्य मे मंच केँ समस्त उपस्थित सज्जन वृन्द केँ अपन होलीक शुभकामना व्यक्त कयलनि। मंच के तरफ सँ स्वरुचि भोजन चुरा फ्राई, पकौड़ी, मालपुआ, जलेबी आओर घुँघनी संग जायकेदार ठंढई केँ व्यवस्था छल। एहि आयोजन केँ सफल बनबै मे मंच केँ अध्यक्ष डॉ आनंद शेखर झा, महासचिव मिथिलेश मिश्र आओर कोषाध्यक्ष सुनील झा संग अनेको स्वयंसेवक अपन सहभागिता देलनि।
Trending Now
