खबरि गुहाटी सँ : असम केँ मुख्यमंत्री हिमंत विश्व शर्मा आई रवि दिन कहलनि जे झारखंड मे होमय वाला विधानसभा चुनाव मे भारतीय जनता पार्टी लेल विजय भेनाई चुनौतीपूर्ण अछि , लेकिन भाजपा केँ सत्ता मे आबय केँ उम्मीद प्रबल अछि । झारखंड विधानसभा चुनाव केँ लेल पार्टी केँ सह प्रभारी शर्मा सेहो कहलनि जे ओ ओतय (झारखण्ड ) प्रचार मे व्यस्त छथि आओर असम मे 13 नवंबर क’ होबय वला उपचुनाव पर ध्यान नहि द’ रहला अछि।

मुख्यमंत्री एहि ठाम एकटा प्रेस कॉन्फ्रेंस मे कहला जे हम एहि ठाम उपचुनाव पर नजरि नहि राखि पाबि रहल छी। झारखंड मे हम बहुत व्यस्त रहलहुं अछि।” झारखंड मे भाजपा क जीत केँ संभावना पर शर्मा कहला जे इ चुनौतीपूर्ण होएत, मुदा ”हमरा सब कए ओतय नीक परिणाम भेटबाक उम्मीद अछि।”
