spot_img
Friday, August 22, 2025
spot_img
Homeटटका खबरिभगवा वस्त्र पहिर भगवान भास्कर केँ अर्घ देलनि झारखण्ड केँ मुखिया 'हेमंत...

भगवा वस्त्र पहिर भगवान भास्कर केँ अर्घ देलनि झारखण्ड केँ मुखिया ‘हेमंत सोरेन’

-

लहरि रूम( रांची ) : छठि पाबनि केँ अवसर पर आई झारखण्ड राज्य केँ मुखिया सह झारखण्ड मुक्ति मोर्चा केँ केंद्रीय अध्यक्ष अस्ताचलगामी भगवान भास्कर केँ अर्घ्य देबाक लेल आई रांची मे उपस्थित छला। सोशल मीडिया पोस्ट पर लिखलनि जे हुनक पत्नी कल्पना सोरेन चुनावी दौरा मे छथिन जाहि कारण सँ ओ असगरे छठि घाट पर गेला अछि। आजुक दिन छठि घाट पहुंच क’ आम जनमानस केँ अभिवादन कयलनि आओर भगवान भास्कर केँ अर्घ्य देलनि। हेमंत सोरेन केँ आजुक अर्घ्य देबाक विशेषता ई छल जे ओ भगवा रंग केँ कुर्ता आओर उज्जर पैजामा पहिर क’ अर्घ्य देलनि। चूँकि 13 तारीख क’ रांची विधानसभा संग झारखण्ड मे चुनाव अछि एहि वस्त्र मे अयला केँ कारण सँ राजनीतिक विशेषज्ञ लोकनिक द्वारा अनेकों कयास लगाओल जा रहल अछि।

Related articles

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here

Stay Connected

0FansLike
0FollowersFollow
0FollowersFollow
0SubscribersSubscribe

Latest posts