
लहरि रूम (रांची) : गृहमंत्री अमित शाह आइ झारखंड केँ दौरा पर छथि। अमित शाह झारखण्ड मे तीन विधानसभा मे विशाल जनसभा करताह। संगहि जमशेदपुर पश्चिम विधानसभा मे सेहो भी रोड शो प्रस्तावित छनि । गृहमंत्री शाह आई शनिदिन 11 बजे छतरपुर विधानसभा मे जनसभा करताह। एकर बाद ओ दुपहर 12:30 बजे हजारीबाग विधानसभा केँ अमृत नगर हाई स्कूल मैदान मे जनसभा द्वारा जनता सँ भाजपा केँ पक्ष मे वोट देबाक अपील करताह। हजारीबाग केँ बाद हुनकर अगिला जनसभा पोटका विधानसभा मे दुपहरिया 2 बजे सँ होयत जाहि ठाम पूर्व केंद्रीय मंत्री अर्जुन मुंडा केँ पत्नी मीरा मुंडा भाजपा केँ प्रत्याशी केँ रूप मे ठाड़ छथि।

जमशेदपुर पश्चिम सँ NDA प्रत्याशी केँ रूप मे जनता दल यूनाइटेड सँ सरयू राय ठाड़ छथि। सब गोटे केँ ज्ञात होयत जे वर्ष 2019 केँ विधानसभा चुनाव मे भाजपा सँ बागी भेल मंत्री सरयू राय तत्कालीन मुख्यमंत्री रघुवर दास केँ विरुद्ध निर्दलीय प्रत्याशी बनि जमशेदपुर पूर्वी सँ चुनाव लड़ल रहैथ आओर रघुवर दास केँ पराजित क’ विजयी भेल छला। आओर कतौ ने कतौ झारखण्ड मे भाजपा केँ पुनः सरकार नहि बनबाक कारण सेहो छलाह।
वर्ष 2024 केँ विधानसभा चुनाव घोषणा सँ पूर्व सरयू राय स्थायी राजनीतिक पार्टी केँ कात खोजैत जनता दल यूनाइटेड ज्वाइन कयला आओर हुनक कुशल रणनीति केँ देखैत NDA केँ समर्थन मे जमशेदपुर पश्चिम सँ हुनका प्रत्याशी केँ जनता दल यूनाइटेड केँ रूप मे ठाड़ केलक अछि।
काइल 10 नवम्बर क’ रांची मे होयत प्रधानमंत्री केँ रोड- शो !
