
लहरि रूम (रांची ) : काइल दिनाँक 12 नवंबर 2024 मंगल दिन क’ अपराह्न 01 बजे सँ देवोत्थान एकादशी पर पूजन सह स्थापना दिवस केँ आयोजन बाबा विद्यापति स्मारक समिति, रांची कयल जा रहल अछि। एहि अवसर पर मुख्य अथिति केँ रूप मे रांची विधानसभा केँ विधायक सी पी सिंह संग निवर्तमान उप महापौर संजीव विजयवर्गीय उपस्थित रहता। ई आयोजन समिति अपन रांची कचहरी चौक स्थित कार्यालय मे हर्षोलास केँ आयोजित क’ रहल अछि। एहि कार्यक्रम मे लोक सब अधिक सँ अधिक उपस्थित होईथ ताहि लेल समाचार पत्र , सोशल मीडिया आओर मोबाईल केँ माध्यम सँ हकार देल जा रहल अछि। एहि बातक जानकारी समिति केँ अध्यक्ष जयंत झा देलनि।
