
लहरि रूम (रांची) : झारखण्ड मैथिली मंच, रांची केँ तत्वावधान मे सामा- चकेबा पर्व 2024 केँ आयोजन कयल गेल। आयोजन झारखण्ड मैथिली मंच केँ कार्यालय विद्यापति दलान पर सम्पन्न भेल। एहि आयोजन मे सामा पूजनिहार लोकनिक द्वारा सुसज्जित सामा चकेबा केँ डाला केँ प्रदर्शनी लगाओल गेल। एहि प्रदर्शनी मे निर्णायक मंडली केँ द्वारा 100 केँ संख्या सँ बेसी आओल डाला मे प्रथम सुश्री ख़ुशी झा (विद्यानगर) द्वितीय सुश्री अनन्या झा (हरमू हाऊसिंग कॉलोनी) आओर तृतीय श्रीमती सोनी झा (विद्यानगर) केँ सामाक सुसज्जित डाला केँ पुरस्कार सँ सम्मानित कयल गेल।

मैथिली मंच केँ बहिना समूह केँ सदस्या लोकनिक द्वारा एक सँ बढिकय एक मनोरजंक कार्यक्रमक प्रस्तुति भेल। मैथिली लोक गायिका आओर मंच केँ सदस्या बबिता झा केँ द्वारा सम्पूर्ण सामा केँ पारम्परिक गीतक प्रस्तुति कयल गेल। झिझिया आओर जट- जटिन केँ भाव नृत्यक प्रस्तुति सेहो भेल।

मंच केँ द्वारा सामा- चकेबा केँ विसर्जन करबाक हेतु जोतला खेत बनाओल गेल छल। जाहि मे आयोजनक उपरांत सामा डाला लौनिहार द्वारा सामा केँ भोजन आ खोइछ द’ विसर्जन कयल गेल।

आयोजन केँ अंत मे मंच केँ द्वारा स्वरुचि भोजनक व्यवस्था कयल गेल छल। आमंत्रित लोकनि भोजनक आनंद लेलनि। एहि कार्यक्रम केँ आयोजन मे मंचक बहिना समूह केँ सदस्या लोकनिक संग मंच केँ अध्यक्ष विनय कुमार झा आओर कोषाध्यक्ष संतोष मिश्र ,भारतेन्दु झा ,प्रेम चंद्र झा ,बाबू लाल झा, गुणानंद झा, कल्याणी झा आओर प्रतिभा मिश्रा संग अनेको गणमान्य लोकनि उपस्थित छला।