spot_img
Friday, August 22, 2025
spot_img
Homeटटका खबरिमैथिल कलाकार लोकनिक धमाल सँ सजल हरियाणा दिवसक मंच : मिथिलांचल जन...

मैथिल कलाकार लोकनिक धमाल सँ सजल हरियाणा दिवसक मंच : मिथिलांचल जन सेवा समिति

-

नई दिल्ली : हरियाणा दिवस केँ अवसर पर मिथिलांचल जन सेवा समिति, गुरुग्राम द्वारा 17 नवंबर रवि दिन क’ ताऊ देवी लाल स्टेडियम, राजीव चौक मे सांस्कृतिक महाकुंभ केँ जाहि मे मैथिल, भोजपुरी, उड़िया, बंगाली आओर हरियाणा केँ कलाकार केँ द्वारा अपन प्रस्तुति देल गेल ।

कार्यक्रम मे मुख्य अतिथि केँ रूप मे आरएसएस हरियाणा राज्य संघचालक प्रताप सिंह, विशेष अतिथि केँ रूप मे गुरुग्राम विधायक मुकेश शर्मा आओर भाजपा केँ गुरुग्राम जिला अध्यक्ष कमल यादव, श्यामा पावर कंपनी केँ मालिक आर एस ठाकुर, आरएसएस केँ राज्य संपर्क प्रमुख प्रदीप शर्मा, एलडी डेवलपर्स एमडी सुधीर शर्मा, अमित ठाकुर, राजेश श्रीवास्तव, अमित राज सिंह भदाना, वाटिका कुंज भोंडसी केँ समाजसेवी नरेश प्रसाद, डॉ. रवि रंजन, केन्याई राजनयिक श्री पैट्रिक, उड़ीसा समाज सँ अधिवक्ता मोनालिसा महापात्र आदि उपस्थित छला |

हरियाणा केँ प्रसिद्ध लोक गायक महावीर गुड्डू, मैथिली केँ प्रसिद्ध गायिका अंजू झा, मैथिल केँ प्रसिद्ध लोक गायक पूनम मिश्रा, देवानंद झा, फिल्म अभिनेता राज चौहान, उड़ीसा के कलाकार निवेदिता, भोजपुरी गायिका प्रीति प्रकाश, संगीत निर्देशक किशोर वत्स, अशिति झा उपस्थित रहे | कार्यक्रम में , राजीव कुमार झा, रत्नेश तिवारी, साथी उमेश, अदिति झा, सपना सरवान, भोजपुरी गायक राजू राज, उड़ीसा केँ कलाकार हेमंत कुमार सेनापति, नृत्य गुरु वाईपीएस रावत संग अनेकों कलाकार अपन प्रस्तुति सँ उपस्थित श्रोताबंधु एवं दर्शकवृन्द केँ मंत्रमुग्ध कयलनि |

कार्यक्रम केँ संबोधित करैत विधायक मुकेश शर्मा कहलनि जे गुरुग्राम मे पहिल बेर हरियाणा दिवस पर मिथिलांचल आ पूर्वांचल समाज द्वारा एतेक पैघ कार्यक्रम केँ आयोजन कयलल अछि जाहि मे मिथिला आ पूर्वांचल मात्र नहि, हरियाणा केँ पैघ कलाकार केँ सेहो आमंत्रित कयल गेल अछि। एहि लेल ओ मिथिलांचल जन सेवा समिति केँ अधिकारी केँ बधाई दैत छथि। मुकेश शर्मा कहलनि जे गुरुग्राम मे भाजपा केँ जीत मे मिथिलांचल आ पूर्वांचल समाज केँ अहम भूमिका छल। ओ अगिला साल बहुत धूमधाम सँ छठि पूजा पावनि मनाबय केँ बात केलनि आ कहलनि जे जतय छठ घाट केँ जरूरत होयत ओतय हम एकर निर्माण करब।आरएसएस संघ चालक प्रताप सिंह सेहो मिथिलांचल आ पूर्वांचल समाज द्वारा आयोजित एहि कार्यक्रम केँ प्रशंसा केलनि।

संस्था केँ महासचिव विश्व विजय झा कहलनि जे हरियाणा हमर सबहक कर्म भूमि अछि, ताहि लेल पहिल बेर हरियाणा दिवस पर हम सब हरियाणा केँ संस्कृति केँ संग-संग मिथिला आ पूर्वांचल केँ संस्कृति केँ प्रचार-प्रसार केँ कार्यक्रम केँ आयोजन केलहुं।संस्था केँ अध्यक्ष आनंद चौधरी कहलनि जे, कार्यक्रम मे मिथिलांचल, पूर्वांचल, उड़ीसा, बंगाल आ छठ पूजा समिति के अधिकारी के सेहो आमंत्रित कायल गेल छल।

एहि अवसर पर अतिथि लोकनिक स्वागत संस्थाक अध्यक्ष आनंद चौधरी, महासचिव विश्व विजय झा, सचिव हाजी मोहम्मद समसुल, कोषाध्यक्ष सत्यनारायण शर्मा, सह कोषाध्यक्ष शिव कुमार शाह, संरक्षक राम बालक चौरसिया, संगठन सचिव मनोज झा, मुख्य सलाहकार सुबोध केलनि झा, सह-संगठन सचिव पंकज, सह-सचिव अकबर नद्दफ, उपाध्यक्ष घनानंद झा, विपिन जायसवाल, देवानंद यादव, प्रमोद कुमार, असरफिलाल गुप्ता, हेम नारायण, गगन सोनी, लालबाबू गुप्ता, बेचन मुखिया, मोहम्मद असलम, प्रह्लाद ठाकुर , पवन लाम्बा आदि मिथिला पाग पहिरा क’ केलनि ।

Related articles

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here

Stay Connected

0FansLike
0FollowersFollow
0FollowersFollow
0SubscribersSubscribe

Latest posts