लहरि रूम (नई दिल्ली ): मीडिया सूत्रक जानकारी अनुसार किसान आन्दोलन केँ दूटा गैर राजनीतिक संगठन केएमएम आ एसकेएम बुधदिन 18 दिसम्बर दुपहरिया 12 बजे रेल पटरी पर आबि गेल। आबै-जाएबला ट्रेनकेँ रोकि देल गेल। रेल पटरी पर सैकड़ों किसान बैसल रहबाक कारणे ओहि रूट पर सब ट्रेन विभिन्न ठाम रुकि गेल। पंजाब केँ बहुत इलाका मे ट्रेन के परिचालन पर भारी असर पड़ल अछि। सफर मे यात्री सबके क’ समस्या केँ सामना करय परलनि । किसान संगठन सब दुपहरिया 12 बजे सँ 3 बजे तक तीन घंटा केँ रेल रोको आंदोलन केँ घोषणा पूर्व मे क’ चुकल छला ।
