लहरि मीडिया (रांची) : मीडिया सूत्र आ राजनीति सलाहकार लोकनि केँ बात सँ बुझना जा रहल अछि जें …….
रघुबर दास उड़ीसा केँ राज्यपाल पद सँ इस्तीफा देला केँ संगहि हुनक राजनीतिक भविष्य केँ बारे मे चर्चा सँ भाजपा झारखण्ड प्रदेश केँ राजनीति मे गर्माहट आबि गेल अछि । राजनीति वापसी होयबाक संभावना केँ कारण सँ हुनक समर्थक लोकनि केँ शुभकामना सन्देश सँ सोशल मीडिया केँ पटल सजल अछि। मानल जाइत अछि जे बाबूलाल मरांडी या चम्पई सोरेन केँ झारखण्ड विधानसभा मे विपक्ष केँ नेता बना क’ भाजपा रघुबर दास केँ झारखण्ड प्रदेश भाजपा केँ पद द’ सकैत अछि।

आई 26 दिसंबर क’ झारखण्ड आबि रहल छथि : रघुवर दास
उड़ीसा केँ निवर्तमान राज्यपाल रघुवर दास वृहस्पति (26 दिसंबर) क’ झारखंड केँ राजधानी रांची आबि रहला अछि । ओ दुपहरिया मे लगभग 3:00 बजे विशेष विमान सँ रांची पहुंचताह। झारखंड केँ पूर्व मुख्यमंत्री रघुवर दास राज्यपाल पद सँ इस्तीफा देला केँ बाद आब पुनः सक्रिय राजनीति मे वापस आबी रहला अछि । शुक्रदिन 27 दिसंबर क’ ओ भारतीय जनता पार्टी केँ पुनः सदस्यता ल’ सकैत छथि। एकर बाद ओ दिल्ली जेताह आ पार्टीक शीर्ष नेता सभ सँ भेंट करताह। आगामी दिन मे भाजपा केँ केंद्रीय नेतृत्व संगठन मे श्री दास केँ पैघ उत्तरदायित्व द’ सकैत अछि।