spot_img
Friday, August 22, 2025
spot_img
Homeटटका खबरिपंचतत्व मे विलीन भेला पूर्व प्रधानमंत्री 'मनमोहन सिंह'

पंचतत्व मे विलीन भेला पूर्व प्रधानमंत्री ‘मनमोहन सिंह’

-

लहरि रूम (रांची ) : पूर्व पीएम मनमोहन सिंह पंचतत्व मे विलीन भ’ गला । नई दिल्ली केँ निगमबोध घाट पर पूर्व प्रधानमंत्री डॉ. मनमोहन सिंह केँ अंतिम संस्कार कयल गेल। अंतिम संस्कार सरदार संस्कार केँ अनुसार 12.58 बजे संपन्न भेल। अंतिम संस्कार मे जेठ बेटी उपिन्दर सिंह (65), दोसर बेटी दमन सिंह (61) आ तेसर बेटी अमृत सिंह (58) उपस्थित छलीह। स्व. मनमोहन सिंह अंतिम संस्कार सँ पहिने घाट पर गार्ड ऑफ ऑनर देल गेल छल।

अपन मैथिलक स्कूल

स्व. मनमोहन सिंह केँ अंतिम संस्कार मे राष्ट्रपति द्रौपदी मुर्मू, उपराष्ट्रपति जगदीप धनखर आ प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदी सेहो सम्मलित भ’ हुनका अंतिम विदाई देलखिन। एहि काल मे भूटान देशक राजा जिग्मे खेसर नामग्याल वांगचुक सेहो उपस्थित छलाह ओहो अपन श्रद्धांजलि द’ स्व. मनमोहन सिंह केँ विदा केलनि ।

Related articles

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here

Stay Connected

0FansLike
0FollowersFollow
0FollowersFollow
0SubscribersSubscribe

Latest posts