नयी दिल्ली/ केन्द्रीय मंत्री पशुपति कुमार पारस, मंत्रिमंडल सं त्यागपत्र द देला। पारस खिसियाल जका लागैत छलाह। ओ एक टा पत्रकार वार्ता में भारतीय जनता पार्टी पर नीक जकां जुवानी हमला कैलन्ह। पारस कहला कि हमरा संगे पैघ विश्वासघात भेल।
केंद्रीय मंत्री पशुपति कुमार पारस मंगलवार कैं केंद्र सरकार से इस्तीफा द देला। पारस कहलैन्ह, भाजपा लोकसभा चुनाव में बिहार में सीटक बंटवाराक बातचीत में हमरा शामिल नहिं कैलक। हुनकर पार्टी, राष्ट्रीय लोक जनशक्ति पार्टी (रालोजपा) के साथ नाइंसाफी भेल अछि।
पारस, एकटा संवाददाता सम्मेलन में ई घोषणा कैलन। आइ सं एक दिन पहिले भारतीय जनता पार्टी (भाजपा) के नेतृत्व वाला राष्ट्रीय जनतांत्रिक गठबंधन (राजग) प्रदेशक अपन सभटा सीटक विवरण सार्वजनिक क देने छल। ओई विवरण अनुसार 17 टा सीट पर खुद भाजपा राज्य में चुनाव लड़त, तकर बाद 16 सीट पर जनता दल यूनाइटेड चुनाव लड़त। एक टा सीट हम आ एक टा सीट उपेन्द्र कुशवाहा के देल गेल छल। बचल पांच टा सीट पर चिराग पासवान वाला लोजपा चुनाव लड़ताः।
सूत्र सं प्राप्त सूचना पर यदि भरोसा करी त पारस एहि बात सं खिसियायल छथि, पारस अपन राजनीतिक कुनवा संगे कतः जेता ओ अखन सार्वजनिक नहिं कैला।